उत्तर प्रदेश कें अयोध्या मे राम मंदिर भूमि पूजन 5 अगस्त क’ होयत. भूमि पूजनक लेल देश कें प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सेहो अयोध्या जेता. राम मंदिर कें लेल बद्रीनाथ धाम सं माटि आ अलकनंदा कें पवित्र जल लेल गेल. ओतय, राम मंदिर कें शिलान्यास कें लेल मां जानकी केर प्राकट्य स्थली सीतामढ़ी सं सेहो माटि भेजल गेल अछि. सीतामढ़ीक जानकी मंदिर, पुणौरा धाम, हलेश्वर स्थान आ पंथपाकर धाम बगही मठ सं माटि भेजल गेल अछि.

राम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्रक अध्यक्ष महंथ नृत्य गोपाल दास जी महाराज क’ माटि सौंपल जायत. जानकी जन्मोत्सव आयोजन समिति अयोध्या मे शिलान्यास कें दिन सीतामढ़ी मे अपन-अपन घर मे महाआरती आ दीप जलेबाक अपील केने अछि.

सीतामढ़ी मे मां जानकी जन्मोत्सव आयोजन समितिक अगुवाई मे मां जानकी केर प्राकट्य स्थली कें प्रमुख पांचटा मंदिर सं माटि भूमि पूजन कें लेल भेजल गेल अछि. अहिमे जानकी मंदिर, पुनौरा मंदिर, हलेस्वरस्थान मंदिर, पंथपाकड़ स्थित सीता मंदिर आ बगही धामक नाम शामिल अछि. माटि इकट्ठा क’ जानकी मंदिर मे विधिवत पूजा क’ राम जन्मभूमि तीर्थ क्षेत्रक अध्यक्ष महंत श्री नृत्यगोपाल दास जी महाराज आ महासचिव चंपत राय जी क’ सौंपल जायत.

श्रीराम जन्मभूमिक आंदोलन मे सीतामढ़ी सं शिला पूजन केर शुरुआत भेल छल आ आंदोलन मे बहुत शहरवासी कार सेवा मे 1990 आ 1992 मे अयोध्या गेल छल. आंदोलन कें दौरान बहुत लोक जेल सेहो गेल छल. राम जन्मभूमिक संघर्षक सौ सालक इतिहास रहल अछि.