टूटल 263 करोड़ कें लागत सं बनल पुल, सीएम नीतीश 29 दिन पहिने केने छला उद्घाटन

0
54

बिहार कें गोपालगंज जिला मे 263 कराेड़ कें लागत सं बनल पुल कें एप्रोच सड़क 29 दिने मे टुइट गेल अछि। अहि पुल कें उद्घाटन मुख्यमंत्री नीतीश कुमार वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग कें माध्यम सं केने छला । कहल जा रहल अछि जे गंडक मे आयल बाइढ़ सं छपरा- सत्तरघाट कें पुल क’ जोड़य वला एप्रोच सड़क लगभग 30 फीट ध्वस्त भ’ गेल अछि। टूटल सड़क सं पकहां, शीतलपुर, उसरी, गम्हारी दियारा सहित अन्य गाम सं बाइढ़क पइन तेजी सं जा रहल अछि। अहिसँ जमीदारी बांध पर सेहो खतरा मंडरा रहल अछि। डीएम अरशद अजीज बतओलनि जे एप्रोच सड़क किछुवे समय पहिने बनाओल गेल छल। बाइढ़ पइन कें दबाव कें कारण एक हिस्सा टुइट गेल अछि। पइन कम होबाक बाद सड़क क’ दुरुस्त कराओल जायत।

सत्तर घाट मुख्य पुल सं करीब एक किलोमीटर पूर्व सड़क कें टुइट गेला सं छपरा, सीवान, गोपालगंज जिला सं मुजफ्फरपुर, पूर्वी चंपारण, सीतामढ़ी, शिवहर, दरभंगाक ओर आबय-जाय वला वाहन कें परिचालन ठप भ’ गेल अछि। स्थानीय ग्रामीण बतओलनि जे लगातार भ’ रहल पइन सं सड़क दलदल भ’ गेल छल। अहि बीच बाइढ़क पाइन सं टुइट गेल अछि। सड़क कें निर्माण करीब छह महीना पूर्व कराओल गेल छल।

स्थानीय विधायक मिथिलेश तिवारी पथ निर्माण मंत्री नन्द किशोर यादव सं मामलाक उच्च स्तरीय जांच करेबाक मांग केने छथि। विधायक बतओलनि जे पथ निर्माण मंत्री जांच केलाक बाद दोषी अधिकारि कें खिलाफ कार्रवाई करबाक आश्वासन देने छथि। पूर्वी चम्पारण कें डीएम शीर्षत कपिल अशोक बतओलनि जे सत्तरघाट पुलक बाद कें एप्रोच पथ गोपालगंज जिलाक तरफ सं टूटल अछि। अधिकारिक टीम मौके पर पहुंच चुकल छथि।