बिहारः चुनाव सं पहिने राजद क’ बड़का झटका, प्रदेश उपाध्यक्ष विजेंद्र यादव छोड़लनि पार्टी

बिहार मे चुनाव सं पहिने राजद क’ बड़का झटका लागल अछि। प्रदेश उपाध्यक्ष आ संदेश कें पूर्व विधायक विजेंद्र यादव राजद सं इस्तीफा द’ देलनि। विजेंद्र यादव केर भूमिका भोजपुर मे किंगमेकर कें तौर पर रहल अछि। जखन, बहुत दिन सं ओ पार्टी सं नाराज चैल रहल छला। इस्तीफे कें कारण पूछला पर ओ बतओलनि जे पार्टी मे आब बुजुर्गक सम्मान नै होयत अछि।

बिहार मे चुनाव सं पहिने राजद क’ बड़का झटका लागल अछि। प्रदेश उपाध्यक्ष आ संदेश कें पूर्व विधायक विजेंद्र यादव राजद सं इस्तीफा द’ देलनि। विजेंद्र यादव केर भूमिका भोजपुर मे किंगमेकर कें तौर पर रहल अछि। जखन, बहुत दिन सं ओ पार्टी सं नाराज चैल रहल छला। इस्तीफे कें कारण पूछला पर ओ बतओलनि जे पार्टी मे आब बुजुर्गक सम्मान नै होयत अछि। ओ कहलनि जे लालू जी आब ओ लालू जी नै रहला जे 1990 सं 2000 कें बीच छला।

ओ कहलनि हम 30 वर्ष सं अधिक अहि पार्टी केर सेवा केनाउ परन्तु हमरा आब नजरअंदाज कयल जा रहल अछि। हमरा पार्टी मे ओ सम्मान नै मिल रहल अछि जे पहिने मियलत छल। सूत्र जानकारी देलनि अछि जे आगामी विधानसभा चुनाव मे टिकट देबाक ठोस आश्वासन नै मिलय पर विजेंद्र यादव इस्तीफा देलनि। यादव कोनो अन्य पार्टी क’ ज्वॉइन करबाक सवाल पर कहलनि जे हम अखन कोनो दल क’ ज्वॉइन नै केने छी, कोनो दल सम्मान कें संग बजेता हम हुनकर संगे जा सकेत छी। हम कोनो दल कें नेता सं अखन धरि बात नै केने छी।