केंद्र सरकारक तरफ सं अनलॉक 2 क’ ल’ गाइडलाइन जारी क’ देल गेल अछि , जाहि अनुसार स्कूल-कॉलेज समेत सिनेमाहॉल, जिम 31 जुलाई तक बंद रहत। बिहार सरकार शुरू सं केंद्र सरकार कें द्वारा जारी गाइडलाइन क’ राज्य मे लागू करैत आबि रहल अछि, अहिलेल आब मानल जा रहल अछि जे अनलॉक 2 कें सेहो सूबे मे कड़ाइ सं पालन कयल जायत।

कोरोना कें कारण बिहार मे स्कूल-कॉलेज सहित सभ’ शिक्षण संस्थान पाहिले सं बंद अछि आ ई आगा सेहो बंद रहत। एकर संकेत राज्य सरकार पिछला महीना द’ चुकील अछि। एकरा अलावा बिहार कें कोरोना सं प्रभावित ओहन इलाका, जकरा कंटेनमेंट जोन घोषित कयल गेल अछि ,मे सेहो बहुत नियम सख्ती सं लागू अछि। बिहार मे कोरोना संक्रमित मरीजक आंकड़ा 9618 पहुंच गेल अछि।

अनलॉक 2 कें अगला फेज केर ई प्रक्रिया काइल यानी एक जुलाई सं शुरू भ’ रहल अछि। केंद्र सरकार अनलॉक 2 केर अपन गाइलाइन मे पहिने कें तरहे बहुत चीजक पूर्ण रूप सं बंद करबाक फैसला लेने अछि, अहिमे स्कूहल-कॉलेज सहित सभ’ शिक्षण संस्थान शामिल अछि।

अहि दौरान पहिने कें तरहे अंतरराष्ट्रीपय उड़ान केर आवाजाही सेहो बंद रहत एकर अलावा मेट्रो, सिनेमा हॉल आ जिम जेहन चीज सेहो बंद रहत। एकर अलावा रात 10 बजे सं सुबह पांच बजे तक नाइट कर्फ्यू सेहो पहिने तरहे जारी रहत। सरकार कंटेनमेंट जोन क’ अहि छूट सं बाहर रखल गेल अछि आ ओहि इलाका मे पहिने कें तरहे लॉकडाउन जारी रहत।