10 सं 16 जुलाई धरि पटना फेर लॉक; पूर्णिया, नवादा, बक्सर, भागलपुर आ किशनगंज मे सेहो लगाओल गेल पाबंदि

0
39

बिहार मे अनलाॅक डाउन कें बाद सं काेराेनाक लगातार बढ़ैत मामला क’ देखैत पटना समेत 6 जिला मे फेर सं लाॅकडाउन लागू क’ देल गेल अछि। पटना आ पूर्णिया मे 10 सं 16 जुलाई, नवादा आ बक्सर मे 10 सं 12 जुलाई, भागलपुर मे 9 सं 16 जुलाई आ किशनगंज मे 9 जुलाई धरि पाबंदि लगाओल गेल अछि। लाॅकडाउनक ई फैसला अहि जिला कें डीएम अपन-अपन स्तर सं लेलनि अछि। अहिकें बिहार मे बुधदिनक काेराेना ब्लास्ट सं जोइर कें देखल जा रहल अछि।

पटना जिला 10 सं 16 जुलाई धरि लॉकडाउन मे रहत। अहि दौरान खालि आवश्यक सामग्री मे शामिल दूध, दवा, किराना, पशु चार कें दुकानक संग गाड़ी बनाबय वला गैराज खुलल रहत। अहि दुकान क’ तय समय कें अनुसार खोलबाक और बंद करबाक छूट देल गेल अछि। परन्तु सब्जी, फल, मछली, मीटक दुकान क’ खोलबाक आ बंद करबाक समय निर्धारित कयल गेल अछि। भोर कें 6 बजे सं 10 बजे धरि आ साँझ मे 4 बजे सं 7 बजे धरि सब्जी, फल, मछली, मीट केर दुकान क’ खोलबाक अनुमति देल गेल अछि। एकरा अलावा सभ’ तरहक दुकान, मॉल, शॉपिंग मॉल आदि बंद रहत। आदेश क’ उल्लंघन करय वला पर कार्रवाइ होयत।