79 ट्रेन सं आइ 1 लाख 25 हजार मजदूर पहुंचता बिहार, महाराष्ट्र सं सबसा बेसि ट्रेन

0
49

लॉकडाउन 4 मे दूसर राज्य सं प्रवासी मजदूर लगातार बिहार आबि रहल अछि. प्रवासी मजदूर कें ल’ 79 ट्रेन बिहार (Bihar Special Trains) आबि रहल अछि जाहिमे 1 लाख 25 हजार कें करीब मजदूर बिहार कें विभिन्न जिला मे पहुँचता. सरकार कें आंकड़ा कें हिसाब सं अखन धरि ट्रेन सं 16 लाख कें करीब मजदूर बिहार पहुंच चुकल अछि आ आइ अहि कड़ी मे 1 लाख 25 हजार मजदूर ओर जुट जायत.

आइ महाराष्ट्र सं आयत सबसा बेसि 18 ट्रेन

आइ प्रवासी मज़दूर केर ल’ सबसा अधिक श्रमिक स्पेशल ट्रेन महाराष्ट्र सं आबि रहल अछि. गुरुवार केर महाराष्ट्र सं 18 ट्रेन बिहार आबि रहल अछि, जाहिमे लगभग 30 हज़ार मज़दूर बिहार आयत. जाकर अलावा पंजाब सं मज़दूर कें ल’ 11 ट्रेन बिहार आयत.

महीने कें अंत धरि 23 लाख मजदूर ट्रेन सं पहुँचात बिहार

मजदूर केर ल’ अबतक 1150 ट्रेन बिहार पहुंच चुकल अछि. अहि ट्रेन सं 16 लाख कें करीब मजदूर अखन धरि आबि गेल छथ आ सरकारक अनुमान अछि जे ई महीना कें अंत धरि 23 लाख प्रवासी मजदूर बिहार पहुँचात. एकर अलावा बस, ट्रक आ अन्य साधन सं सेहो लाखो मजदूर बिहार आबि चुकल अछि. बाहर सं आबि ई मजदूर मे सं 12 लाख 6 हजार मजदूर क्वारेंटीन सेंटर मे रही रहल अछि, ओतय काफ़ी संख्या मे बिहार आयल मज़दूर अपन क्वारेंटीन अवधि पूरा करैत अपन -अपन घर सेहो जा चुकल अछि।

कोरोना पॉजिटिव कें कुल मामला मे दो तिहाई मामला प्रवासी मजदूरक

स्वास्थ्य विभाग केर तरफ सं ई जानकारी देल गेल जे बिहार मे अखन तक 2072 प्रवासी मजदूर कोरोना पॉजिटिव मिलल अछि जे बिहार मे अखन धरि मिलल, कुल कोरोना पॉजिटिव मरीजक दू तिहाई अछि, यानी बाहर सं आबि रहल प्रवासी मजदूर कें कारणे बिहार मे कोरोना पॉजिटिव मरीजक ग्राफ़ तेजी सं बढ़ी रहल अछि. बिहार मे कोरोना पॉजिटिव मरीज केर मृत्यु भेल अछि ओहि मे सेहो बहुते प्रवासी मजदूर छथ .