पटना केर महावीर मंदिर मे बजरंग बली कें दर्शन लेल करय पड़त ऑनलाइन बुकिंग

0
39

केंद्रीय गृह मंत्रालय कें गाइडलाइंस कें मुताबिक बिहार कें लगभग 4500 धार्मिक स्थल 8 जून सं फेर शुरू होयत. 8 जून कें जखन धार्मिक स्थल खुलत त’ भक्त कें बीच सामाजिक दूरी कें नियम केर कोन तरीका सं पालन कराओल जाय, एकरा ल’ अखन तैयारी शुरू को देल गेल अछि. प्रशासन अहि पर विस्तृत रूप सं काज को रहल अछि.

राजधानी पटना कें सबसा प्रसिद्ध महावीर मंदिर मे आब भगवान केर दर्शन करबाक लेल ऑनलाइन बुकिंग करय परत. जानकारी कें मुताबिक पटना रेलवे स्टेशन कें पास स्थित महावीर मंदिर मे भक्त केर भीड़ बेकाबू नै होय एकरा लेल ऑनलाइन बुकिंग कें प्रावधान कयल जा रहल अछि.

नामक अक्षर कें अनुसार मिलत प्रवेश

सभ’ भक्त केर हुनकर नामक पहिल अक्षर कें अनुसार अलग-अलग समय पर मंदिरक दर्शन कें लेल समय देल जायत.

महावीर मंदिर न्यास कें सेक्रेटरी किशोर कुणाल कहलनि जे 8 जून केर जखन महावीर मंदिर दोबारा खुलत त’ भक्तक भीड़ जे आम दिन मे उमरै छलाइ ताहि सं आधा भीड़ के मंदिर परिसर मे जेबाक इजाजत देल जायत. महावीर मंदिर न्यास संक्रमणक संभावना केर कम सं कम करबाक पूर्ण प्रयास को रहल अछि.

आम दिनक मुकाबले आधा भीड़ केर होयत प्रवेशक इजाजत

किशोर कुणाल बतओलनि जे लॉकडाउन सं पहिने मंगलवार आ शनिवार केर महावीर मंदिर मे आमतौर पर 30 सं 50 हजार भक्त दर्शन कें लेल पहुँचैत छला. संगहि अन्य दिन मे भक्त केर भीड़ तकरीबन 15,000 होयत छल. किशोर कुणाल कहलनि जे ऑनलाइन बुकिंग केर प्रक्रिया शुरू भ’ जेबा कें बाद मंदिर मे दर्शन करय वला कें भीड़ आधा भ’ जायत.

नबका नियम कें मुताबिक आब महावीर मंदिर पर सुबह केर आरती 6 बजे होयत. भक्त कें दर्शन कें लेल मंदिर राइत 9 बजे तक खुलल रहत.