Thursday, October 22, 2020
मुख्यपृष्ठ बिहार पटना एम्स मे वैक्सीन कें ट्रायल, देल गेल पहिल डोज, सफल रहल...

पटना एम्स मे वैक्सीन कें ट्रायल, देल गेल पहिल डोज, सफल रहल ट्रायल त’ अगस्त मे लॉन्च होयत वैक्सीन

पटना एम्स मे सात लोक क’ कोरोनाक वैक्सीन कें पहली डोज देल गेल। ट्रायल कें लेल अखन धरि आठ लोक क’ एकर डोज द’ देल गेल अछि। अखन कम सं कम आर 50टा ट्रायल होयत।

पटना एम्स कें अधीक्षक डॉ. सीएम सिंह बतओलनि जे जाहि लोक सब क’ वैक्सीनक पहिल डोज देल गेल अछि, हुनका 14 दिन बाद दूसर डोज देल जायत। 28वा दिन वैक्सीन कें असर कें अध्ययन होयत। ओहिमे ई देखल जायत जे वैक्सीन कें कारण ककरा मे कते एंटीबॉडी विकसित भेल। पूरा अध्ययन कें रिपोर्ट आईसीएमआर क’ भेजल जायत। देश मे कोरोना कें प्रसार रोकबाक आ एकर बचाव कें लेल आईसीएमआर केर देखरेख मे भारत बायोटेक कोरोनाक वैक्सीन विकसित केने अछि। ट्रायल सफल होबय पर एकरा 15 अगस्त धरि लॉन्च कयल जायत।

वैक्सीन कें ट्रायल पटना एम्स समेत देशक 13 संस्थान मे सात जुलाई सं शुरू अछि । एम्स पटना मे सेहो एकरालेल अलग-अलग डॉक्टर कें टीम गठित कयल गेल अछि। 18 सं 55 वर्ष कें लोक क’ ट्रायल कें लेल आमंत्रित कयल गेल अछि। अधीक्षक बतओलनि जे बहुत रास लोक वैक्सीन के ट्रायल कें लेल आगू एलाथ। बुधदिन क’ जिनका वैक्सीन देल गेल छल, ओ पूर्ण तरहे स्वस्थ छथि। हुनका कोनो तरहक परेशानी नै अछि।

प्लाज्मा डोनेट करबाक लेल आइ सं विशेष अभियान
कोरोना कें बढ़ैत संक्रमण क’ देखैत पटना प्रमंडल मे शुक्रदिन सं प्लाज्मा डोनेशन अभियान शुरू होयत। प्लाज्मा डोनेशन पटना एम्स मे कयल जा रहल अछि। अहिसँ कोरोना मरीज कें बेसि लाभ भ’ रहल अछि, अहि लेल प्रशासन कोरोना सं जंग जीत चुकल लोक सब सं प्लाज्मा डोनेट करबाक अपील केने अछि । पटना एम्स मे रोज चाइर लोक कें प्लाज्मा डोनेट होयत। प्रमंडलीय आयुक्त संजय कुमार अग्रवाल प्रमंडल कें पटना समेत सभ’ 6 जिला कें डीएम कें संगे वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग सं बैठक केलाथ। अहिमे निर्णय भेल जे प्लाज्मा डोनेट करय वलाक कोरोना योद्धा क’ प्रशंसापत्र, स्मृति चिह्न कें संग थैंक यू कार्ड तथा सालभरि कें अंदर जरूरत पड़ला पर एक यूनिट खून देल जायत।

Most Popular

चिराग पासवान जारी केलनि विजन डाक्यूमेंट, सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि

बिहार विधानसभा चुनाव कें लेल एलजेपी विजन डाक्यूमेट जारी केलक। लोजपा प्रेसिडेंट चिराग पासवान डाक्यूमेंट जारी करैत सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि।

बिहार चुनाव 2020: सीएम नीतीश कें चुनावी सभा मे युवक मंच पर फेंकलक पत्थर

बिहारक गया जिला मे सीएम नीतीश कुमार कें चुनावी सभा मे सोमदिन हड़कंप मैच गेल जखन मंच पर एकटा युवक पत्थर फेंक देलक। मुदा ककरो चोट नहि लागल।

बिहार चुनाव : प्रधानमंत्री कें सभा मे आतंकी-नक्सली कें खतराक ल’ अलर्ट जारी

बिहार विधानसभा चुनाव कें ल' 23 अक्टूबर कें प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बिहार मे तीनटा चुनावी सभा कें संबोधित करता। अहि दौरान ओ बिहार मे लगभग सवा सात घंटा रहता।

प्रधानमंत्री मोदी आ राहुल गांधी संगहि बिहार मे करता चुनाव प्रचार अभियानक आरम्भ

बिहार मे 23 अक्टूबर कें दुनू बड़का गठबंधनक शीर्ष नेता चुनावी प्रचारक आरम्भ करता। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी एनडीए उम्मीदवारक पक्ष मे चुनाव प्रचार कें लेल 23 कें बिहार आबि रहल छथि।