नगर थाना क्षेत्र अंतर्गत सोहनीपट्टी मे मंगलदिन साझ मे अफरा-तफरी मइच गेल, जखन मोहल्लाक एकटा घर मे भगवान शंकर केर आकृति उभारबाक बात सामने आयल। कहल जा रहल अछि जे घर कें फर्श पर अचानक भगवान शंकर कें आकृति उभरल। किछू देर मे ई बात जंगलक आइग तरहे मोहल्ला मे फैल गेल आ स्थानीय निवासी बूटा साह कें घर पर सैकड़ों लोक कें भीड़ जमा भ’ गेल ।

अहि बीच सूचना मिलयत मौका पर पहुंचल लोक भगवान शिव कें जयकारा लगाबय लगला। बहुतरास महिला बकायदा पूजा-अर्चना सेहो शुरू क’ देलनि। बड़का संख्या मे पहुंचल लोक क’ देख कोइ पुलिस क’ एकर सूचना द’ देलनि। घटना केर सूचना मिलयत थानाध्यक्ष रंजीत कुमार सदल-बल मौका पर पहुंचला  पाहिले भीड़ क’ हटोलनि आ आकृतिक अपने जांच करबाक बाद एहतियातन ओ कमरा क’ तत्काल बंद करा देलनि, जाहिमे भगवान शिव केर आकृति उभरबाक बात कहल जा रहल छल।

स्थानीय लोकक मानि त’ कमरा कें फर्श पर देखाइ द’ रहल आकृति स्पष्ट रूप सं भगवान शिव कें स्वरूप लागय छल। जाहिमे आइख, नाक, मुंह, जटा सब किछू स्पष्ट नजर आबि रहल छल। आकृति कें सत्यता केर परखक लेल किछू लोक तस्वीर क’ खुरचबाक सेहो प्रयास केलनि, परन्तु आकृति पर एकर कोनो असर नै पड़ल।

गृहस्वामी बूटा साह बतओलनि जे हुनकर पत्नी क’ तीन दिन सं चेचक निकलल अछि, आ तखने सं ओ बेर-बेर घर मे भगवान कें एबाक बात कही रहल छलनि। अहि बीच मंगलदिन क’ अपराह्न अचानक कमरा सं गुजरलाक दौरान फर्श पर एकटा आकृति केर झलक मिलल। गौर सं देखय पर आकृति स्पष्ट रूप सं भगवान शिव कें नजर आयल। एकर पीछाक की सच्चाई अछि, ई अखन धरि स्पष्ट नै भेल अछि।

थानाध्यक्ष कहलनि जे एकरा ज्यादा तूल नै दी। कहैत चलि जे, कोरोना संक्रमण काल मे एक तरफ जतय पूरा विश्व महामारी केर चपेट मे अछि। ओतय, दूसर तरफ बक्सर समेत देश कें विभिन्न भाग मे अंधविश्वास कें बहुत रास कहानि सेहो गढ़ल जा रहल अछि।

किछू दिन सं कोरोना वायरस क’ देवी कें स्वरूप कही क’ पूजा-अर्चनाक बात बहुत जगह सं सुनबाक मिल रहल अछि। आब भगवान शिव केर आकृति घर कें फर्श पर उभरबाक समाचार सामने एला पर एकरा चमत्कारिक घटना मानल जा रहल अछि।