Digital India: लंदन केर बाजार मे आयल बिहारक लीची मे रूचि, रविशंकर ट्वीट क’ जतओलनि खुशी

डिजिटल इंडिया अभियानक तहत कॉमन सर्विस सेंटर (सीएससी) कें माध्यम सं किसान आब अपन फसल विदेश मे सेहो बेच सकेत छथ। किसान सुनील कुमार लंदन कें खरीदार क’ बिहार केर प्रसिद्ध मुजफ्फरपुरक लीची बेचलनि। ई-मार्ट नामक डिजिटल क्रय-विक्रय प्लेटफॉर्म सं ऑर्डर लेल गेल।

डिजिटल इंडिया अभियानक तहत कॉमन सर्विस सेंटर (सीएससी) कें माध्यम सं किसान आब अपन फसल विदेश मे सेहो बेच सकेत छथ। किसान सुनील कुमार लंदन कें खरीदार क’ बिहार केर प्रसिद्ध मुजफ्फरपुरक लीची बेचलनि। ई-मार्ट नामक डिजिटल क्रय-विक्रय प्लेटफॉर्म सं ऑर्डर लेल गेल। केंद्रीयइलेक्ट्रॉनिक्स आ सूचना प्रौद्योगिकी मंत्रालय केर संस्था कॉमन सर्विस सेंटर कोरोना महामारी कें समय मे किसानाक फसल केर उचित दाम आ मंडी आबि क’ सामान बेचबाक बाध्यता सं मुक्ति दिलाबय कें लेल ई प्लेटफॉर्म तैयार कयल गेल अछि ।

लंदन मे बैसल खरीदार देखौलनि रुचि

मुजफ्फरपुर कें दिघरा नारायणपुर कें किसान सुनील अहि प्लेटफॉर्म पर लीची केर जानकारी डालने छला। लंदन मे बैसल खरीदार रुचि देखौलनि। कीमत तय होबाक बाद खरीदार कें प्रतिनिधि मुजफ्फरपुर पहुंच क’ लीची केर गुणवत्ताक मुआयना केलनि। सौदा तय होबय कें बाद किसानक खाता मे आधा रकम एडवांस कें रूप मे ट्रांसफर कयल गेल। लीची तोरबाक कार्य आरंभ भेल आ पटना हवाई अड्डा कें लेल भेज देल गेल । लीची बेंगलुरु कें माध्यम सं लंदन पहुंच जायत।

केंद्रीय मंत्री रविशंकर ट्वीट क’ जतओलनि खुशी

केंद्रीय मंत्री रविशंकर प्रसाद ट्वीट क’ प्रसन्नता जाहिर केलनि। ओ कहलनि जे हमरा प्रसन्नता अछि जे आइ मुजफ्फरपुर केर लीची लंदन जा रहल अछि। किसान केर आब हुनकर फसलक सही दाम सेहो मिलत। किसान सशक्तिकरणक प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी केर सपना साकार होयत। कॉमन सर्विस सेंटर कें बिहार प्रमुख संतोष तिवारी कहलनि जे केंद्रीय मंत्री रविशंकर प्रसाद कें प्रेरणा सं बिहारक दूटा पटना आ मुजफ्फरपुर मे सेंटर बनाओल गेल अछि। जल्दी बिहारक अन्य जिला कें किसान क’ सेहो ई सुविधा उपलब्ध कराओल जायत।

तकनीक क’ कमाल

कॉमन सर्विस सेंटर कें माध्यम सं बेचल गेल लीची, पटना हवाई अड्डा सं बेंगलुरु कें रास्ता बुधवार क’ पहुंचत लंदन
केंद्रीय मंत्री रविशंकर प्रसाद ट्वीट क’ जतओलनि खुशी, कहलनि- किसान डिजिटल प्लेटफॉर्म पर कतौ बेच सकेत छी सामान