राजधानी मे आइ सुबह रिटायर्ड डीएसपी खुदकें गोली माइर खुदकुशी केलनि। मृतक चंद्रा एनकाउंटर स्पेशलिस्ट छला। घटना बेउर थाना क्षेत्र कें मित्र मंडल कॉलोनी मे घटल। सूचना मिलय पर पुलिस मामलाक छानबीन करय पहुंच गेल छथ। चंद्रा खुदकशी किऐ केलनि ? ई अखन साफ नै भ’ सकल अछि। अखन, हुनकर पडोसि सं विवाद केर बात सामने आबि रहल अछि। पुलिस शव क’ कब्जा मे ल’ पोस्टमार्टम कें लेल भेज देल गेल अछि।