Friday, October 30, 2020
मुख्यपृष्ठ बिहार Unlock 1 Bihar Update: बिहार मे अहाँ लेले की अछि लॉक-अनलॉक, आउ...

Unlock 1 Bihar Update: बिहार मे अहाँ लेले की अछि लॉक-अनलॉक, आउ जनैत छी नव गाइडलाइंस

पूरा देश मे आइ यानि 8 जून सं Unlock.1.0 केर पहिल चरण पूर्ण रूप सं लागू भ’ गेल अछि। गृह मंत्रालय द्वारा जारी गाइडलाइंस कें तहत बिहार मे सेहो धार्मिक प्रतिष्ठान, होटल-रेस्टोरेंट्स, शॉपिंग मॉल्स खोलबाक अनुमति द’ देल गेल अछि। बिहार सरकार सेहो केन्द्र सरकार द्वारा जारी दिशा-निर्देशों क’ राज्य मे लागू करबाक आदेश जारी केलनि अछि।

गृह मंत्रालय द्वारा जारी अनलॉक 1.0 कें निर्देशक बाद बिहार सरकार सेहो 8 जून यानि सोमदिन सं धार्मिक स्थल, शॉपिंग मॉल, होटल आ रेस्तरां क’ खोलबाक अनुमति देने अछि जाकर बाद आइ सभ’ मंदिर मे सुबह सं पूजा-्अर्चना शुरू भ’ गेल अछि। जखन एकरा लेल किछू शर्त सेहो तय कयल गेल अछि, जाकर बारे मे अहाँ कें जनबाक जरूरी अछि।

जानू बिहार मे अखन धरि की खुजल आ की बंद रहत…

-बिहार मे नव नियम कें संग राज्य कें अंदर बस समेत सभ’ सार्वजनिक परिवहन कें परिचालन केर अनुमति देल गेल अछि।

-कंटेनमेंट जोन केर छोइर सभ’ जिलाक सभ’ दुकान समेत सरकारी आ निजी कार्यालय सेहो खोइल देल गेल अछि ।

-ढाई महीने सं अधिक लंबा अंतरालक बाद छोटका -बड़का सभ’ होटल सोमदिन सं पूर्ण रूपे खुइल जायत। परन्तु अतय सोशल डिस्टेंसिंग कें पूरा ख्याल रखल जायत। संगे ही साफ-सफाई कें तय मानक केर अनुपालन अनिवार्य होयत जाहि मे एक संग समूह मे बैसबाक आजादी नै अछि।

-Unlock-0.1 मे सेहो राइत कें नौ बजे सं सुबह कें पांच बजे तक कर्फ्यू लागू रहत।

-नाइट कर्फ्यू मे जता खालि मेडिकल सामग्री केर दुकान, दवा दुकान आ मेडिकल क्लिनिक खुइल सकत, ओतय ट्रेन, बस सं यात्रा कें लेल आबय -जाय वला लोक कें यात्रा टिकट सेहो देखबै परत।

-प्रदेश सरकार 8 जून सं धार्मिक स्थल- मंदिर, मस्जिद, गुरुद्वारा, चर्च समेत अन्य धार्मिक स्थल शामिल होयत। परन्तु ओतय सामूहिक पूजा केर मनाही होयत।

–Unlock-0.1 मे शॉपिंग मॉल्स कें खोलबाक सेहो आजादी मिलल अछि जाहि सं बड़का समूह आ व्यवसायि लोक सब कें राहत केर सांस लेने अछि।

-सोमदिन सं बिहार कें सभ’ छोटका -बड़का रेस्तरां सेहो अनलॉक भ रहल अछि ,परन्तु एकरा लेल किछू शर्त सेहो तय कयल गेल अछि . रेस्तरा में संक्रण नै होय ई ध्यान रखबाक अछि।

-Unlock-0.1 मे मेंस/लेडीज पार्लर समेत सैलून आ मिठाई-नाश्ता केर दुकान क’ सेहो खोलबाक आजादी मिलत, परन्तु ओतय सेहो सोशल डिस्टेंसिंग आ सेनेटाइजेशन केर ख्याल रखय परत।

– Unlock-0.1 मे मंदिर-मस्जिद समेत धार्मिक स्थल कें ल’ विशेष दिशा निर्देश जारी कयल गेल अछि, जाहिमे ध्वनि यंत्र उपयोग पर मनाही समेत सामूहिक पूजा, नमाज पर सेहो रोक अछि।

Most Popular

Vi बनल भारत कें सबसा तेज़ मोबाइल नेटवर्क, Airtel नंबर-2, तेसर पर Jio

भारतीय लीडिंग टेलीकॉम VI (Vodafone Idea) भारतक सबसा तेज़ नेटवर्क बनि क' उभरल अछि. 2020 कें तेसर तिमाही कें आँकड़े जारी कयल गेल अछि.

बिहार चुनाव: पहिल चरणक वोटिंग, की टूटत 20 साल पुरान रिकॉर्ड?

बिहार चुनावक पहिल चरणक 71 विधानसभा सीट पर वोटिंग जारी अछि. कोरोना संकटक बीच बिहार मे भ' रहल चुनाव मे मतदाता कें बेसी सं बेसी बूथ धरी ल' जेनाइ आ वोटिंग प्रतिशन बढ़ेबाक चैलेंज अछि.

बिहार मे पहिल फेज कें 71 सीट पर मतदान, 7.29 करोड़ मे सं 2.14 करोड़ वोटर

अहाँके बुझल अछि जे न्यूजीलैंड मे 34.87 लाख वोटर अछि, जतय एक महीना पहिने चुनाव भेल छल। आब अहाँ सोचैत हेब जे बिहार मे न्यूजीलैंड कें बात किएक?

बिहार चुनाव: बिहारक 71 सीट कें लेल मतदान, कोना करी EVM आ VVPAT सं वोटिंग ?

बिहार विधानसभा चुनावक पहिल चरणक वोटिंग (First Phase Voting) 28 अक्टूबर कें होबय जा रहल अछि।