बिहार मे बाहर सं आबय वला कोरोना संक्रमण कें संदिग्ध कें रखाय लेल बनाओल गेल क्वारंटाइन सेंटर सोमदिन सं बंद क’ देल जायत। एकरा लेल आपदा प्रबंधन विभाग 31 मई क’ आदेश जारी केने छल। अखन राज्य कें 534 प्रखंड मे 15 हजार सं अधिक क्वारंटाइन सेंटर 29 अप्रैल सं चैल रहल अछि। अहिमे 15.22 लाख सं अधिक लोक सब कें राखल गेल छल।
बीतल 31 मई क’ सरकार फैसला केलक जे 15 जून सं क्वारंटाइन सेंटर बंद क’ देल जायत। संगे श्रमिक स्पेशल ट्रेन क’ छोइर अन्य ट्रेन सं आबय वला क’ क्वारंटाइन सेटर मे नै रखबाक सेहो आदेश जारी केलाक। मानल गेल अछि जे राज्य लौटय वला अधिकांश प्रवासी श्रमिक आबि चुकल अछि आ जे बचल छथ , ओ जल्दी लउट औता । अहि लेल क्वारंटाइन सेंटर केर उपयोगिता नै रहल अछि। अखन जे औता , हुनका होम क्वारंटाइन कयल जायत।
15 हजार सेंटर मे राखल गेल 15.22 लाख लोक
राज्यक सभ’ प्रखंड मे पंचायत स्तर तक बनाओल गेल 15 हजार सं अधिक क्वारंटाइन सेंटर मे बाहर सं आबय वला 15.22 लाख सं अधिक लोक केर राखल गेल । ओतय लोक क’ 14 दिन तक राखल गेल ,जतय कें पूरा व्यवस्था सरकार केने छल।