बिहार कें मध्य आ उत्तरी भाग मे मौसम विभाग कें पूर्वानुमान कें अनुसार शुक्रदिन सं रैबदिन धरि कें लेल भारी बारिश आ वज्रपातक रेड अलर्ट जारी कयल गेल अछि। मध्य बिहार मे मध्यम बारिश शुरू भ’ गेल अछि जे 72 घंटा धरि चलत। ओतय पटना मे रहि- रहि कें बारिश होयत। पिछला 24 घंटा मे राज्य कें उत्तरी पश्चिमी भाग मे एक दू जगह पर भारी बारिश दर्ज कयल गेल अछि।

मौसम विभाग आइ जाहि 6 जिला कें लेल रेड अलर्ट जारी कयल गेला, ओहिमे पूर्वी चंपारण, पश्चिमी चंपारण, सीतामढ़ी, मधुबनी, सुपौल आ अररिया अछि। अतय भारी बारिश आ बिजली गिरबाक आशंका जताओल गेल अछि।

मौसम विभाग बिहार कें 6 जिला मे भारी बारिश कें अलर्ट जारी केने अछि परन्तु एकरा छोइर बिहारक बाकी बचल सभ’ 32 जिला मे सेहो बारिश होबाक ब्लू अलर्ट जारी कयल गेल अछि। पटना सहित 32 जिला कें लेल ब्लू अलर्ट जारी करैत मौसम विभाग अहि जिला मे तेज हवा कें संग मध्यम आ हल्का बारिश केर संभावना जतोने अछि।

मौसम पूर्वानुमान कें मुताबिक अगला 24 घंटा मे मानसून केर ट्रफ लाइन हिमालय कें तराइ क्षेत्रक आ शिफ्ट करबाक आसार अछि एना मे उत्तर बिहार मे भारी बारिश केर स्थिति बैन रहल अछि। तीन दिन मे भारी बारिश, बादल गरजनाइ आ वज्रपातक चेतावनी अछि।