Bihar Unlock 1: बिहार मे आइ सं चला लागल यात्री बस, वाहन केर भाड़ा बढ़ओला पर होयत कार्रवाई

0
38

लॉकडाउन कें कारण बिहार मे दू महीना सं बंद बस केर परिचालन सोमदिन सं शुरू भ’ गेल अछि। केंद्र सरकार कें अनलॉक-1(Unlock1 in Bihar) कें दिशा-निर्देशक बाद क्राइसिस मैंनेजमेंट ग्रुप केर बैठक मे रैबदिन एकर निर्णय लेल गेल। नबका व्यवस्था लागू करबाक लेल सभ’ डीएम, एसएसपी आ एसपी केर निर्देश द’ देल गेल अछि। परिवहन सचिव संजय अग्रवाल बतओलनि जे बस एवं सभ’ पब्लिक ट्रांसपोर्ट केर परिचालन एक सीट एक व्यक्ति कें सिद्धांत पर कयल जा रहल अछि। राज्य मे ई-रिक्शा, ऑटो रिक्शा, टैक्सी, ओला एवं उबर केर परिचालन कंटेनमेंट क्षेत्र कें बाहर होयत। किराया मे सेहो वृद्धि नै होयत। लॉकडाउन सं पाहिलेक किराया ही मान्य राखाल गेल अछि। यात्रि, जिला प्रशासन, वाहन मालिक, कंडक्टरों एवं चालक कें लेल गाइडलाइन सेहो तय को देल गेल अछि।

जतबे सीट, ओतबे यात्री

वाहन मालिक केर निर्देश देल गेल अछि जे जेतबे सीट होयत, यात्री सेहो ओतबे बैसता। एकटा ज्यादा यात्री रहे पर कार्रवाई होयत। गाड़ी केर प्रतिदिन साफ-सुथरा रखबा एवं प्रत्येक ट्रिप कें बाद सैनिटाइज कोरे परत। ड्राइवर एवं कंडक्टर कें साफ कपड़ा, मास्क एवं ग्लब्स पहिरे परत। वाहन कें अंदर एवं बाहर संक्रमण सं बचाव कें उपाय सं संबंधित पोस्टर, स्टिकर लगेबाक अनिवार्य अछि। कोरोना सं बचाव केर ल’ जिला प्रशासन द्वारा उपलब्ध कराओल गेल पंपलेट यात्रिक बीच बांटबाक अछि। गाड़ी मे चढ़ैत-उतरते वक्त फिजिकल डिस्टेंसिंग केर ध्यान रखा परत। गाड़ी मे सैनिटाइजर सेहो रखो परत ।

ज्यादा किराया लेला पर होयत कार्रवाई

जिला प्रशासनक जिम्मेवारी होयत जे बस एवं टैक्सी स्टैंड मे दंडाधिकारी कें संग पर्याप्त संख्या मे पुलिस बल केर तैनाती करे, जे ई देखत कि फिजिकल डिस्टेंसिंग एवं सफाई संबंधी व्यवस्थाक अनुपालन कयल जा रहल अछि आ नै। सीट सं ज्यादा यात्री बैसबे या ज्यादा किराया लेबा पर कार्रवाई होयत।

देबाक अछि कोरोना सं बचाव संबंधी जानकारी

कोरोनाक बचाव सं संबंधित पंपलेटक वितरण सुनिश्चित केनाइ जिला प्रशासनक जिम्मेवारी होयत। स्टैंड एवं सार्वजनिक जगह पर कोरोना सं बचाव संबंधी जानकारी केर एनाउंसमेंट क’ व्यवस्था सेहो करबाक होयत। भीड़ नै लगे, जता-तता नै थूकबाक एवं मास्क पहेनबाक आदि केर हिदायत सेहो देल जायत। स्टैंड मे सफाई एवं सैनिटाइजेशन केर जिम्मेवारी निकायक होयत।

मास्क नै त’ बस मे नै घुस पायत यात्री

वाहन मे सफर करैत समय मास्क पहेनबाक आ मुंह ढ़कबाक जरूरी अछि। बिना मास्क कें बस मे चढ़ेबाक अनुमति नै देल जायत। चढ़बा सं पाहिले सैनिटाइजर सं हाथ साफ करे परत। वाहन कें अंदर पान, खैनी, तंबाकू, गुटखा आदि कें उपयोग पर जुर्माना लागत। स्टैंड मे आ जता-तता थूकबा पर कार्रवाई होयत। 65 वर्ष सं अधिक उम्र कें बुजुर्ग, 10 वर्ष सं कम आयु कें बच्चा, गर्भवती महिला केर सलाह देल गेल अछि जरूरी नै हुये त यात्रा नै करि।