बिहार विधानसभा चुनाव सं पहिने राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद यादव जेल सं बाहर आबि सकेत छथि। हुनकर छोट पुत्र तेजस्वी यादव कहलनि जे पार्टी प्रमुख लालू प्रसाद चुनाव कें पहिने जेल सं बाहर आबि सकेत छथि, एकर संभावना बैढ़ गेल अछि। ओ संकेत देलनि जे अक्टूबर धरि हुनकर बाहर एबाक उम्मीद अछि। राबड़ी देवी कें आवास पर एकटा बैठक मे कार्यकर्ता मे जोश भरैत तेजस्वी यादव ई बात कहलनि।

जमानत कें समय भ रहल अछि पूरा-जेल सं बाहर आबि सकेत छथि लालू

राजद नेता बिरेंद्र कहलनि जे अक्टूबर मे लालू प्रसाद यादव केर जमानत कें लेल समय पूरा भ’ रहल अछि आ पार्टी पूरा कोशिश करत जे लालू प्रसाद यादव जेल सं बाहर अबैथ। ओ दावा केलनि अछि जे लालू प्रसाद यादव कें जेल सं बाहर अबिते बिहार कें राजनीति मे तूफान आबि जायत आ आरजेडी क’ रोकनाइ संभव नै होयत।

ओ ई सेहो कहलनि जे हम सबकें लालू प्रसाद कें इंतजार अछि। हुनकर जमानत केर प्रक्रिया पूरी कयल जा रहल अछि। विश्वास अछि जे चुनाव सं पहिने ओ अपने बीच रहता। अखन राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद बहुचर्चित चारा घोटाला मामले मे जेल मे सजा काइट रहल छथि।

राजद कें प्रदेश अध्यक्ष सीएम नीतीश पर हमला

राजद कें प्रदेश अध्यक्ष जगदानंद सिंह नीतीश कुमार पर हमला करैत कहलनि जे बैलट पेपर कें जरिए नितीश कुमार सरकार हासिल करय चाहैत अछि । चुनाव आयोग क’ चाहि जे प्रचार पारंपरिक तरीका सं होय जाहिसँ लोक कें बीच संवाद कायम भ’ सकें।