Bihar Lockdown 5.0: केंद्रीय गृह मंत्रालय द्वारा लॉकडाउन 5.0 कें नव गाइडलाइन जारी को देल गेल अछि। एकर प्रावधान देश मे एक जून सं लागू भ’ रहल अछि, बिहार मे अलगा 15 जून तक कोनो राहत मिलइत नै देखा रहल अछि। राज्‍य मे लॉकडाउन 5.0 ( Lockdown 5.0) कें तहत 15 जून तक लाकडाउन 4.0 केर प्रावधान लागू रहत। एना अहि लेल अछि जे बड़का संख्‍या मे कोरोना संक्रमित प्रवासी श्रमिकक एबाक सिलसिला जारी अछि। ऐना मे अगर लॉकडाउन 5.0 ( Lockdown 5.0)कें तहत देल गेल जाये वला रियायत द’ देल जे त कोरोना संक्रमण केर स्थिति विस्‍फोटक भ’ सकेत अछि।

केंद्र सरकार लॉकडाउन 5.0 कें देलनि अनलॉक 1 केर नाम

केंद्रीय गृह मंत्रालय लॉकडाउन 5.0( Lockdown 5.0) कें अनलॉक 1 (Unlock 1) केर नाम देलनि अछि। एकर नव गाइडलाइन कें तहत कंटेनमेंट जोन मे पूर्ण पाबंदी रहत, परन्तु अन्‍य जगह पर धीरे-धीरे छूट देल जायत। एकर तहत देश कें अन्‍य भाग मे राइत केर नौ बजे सं सुबह पांच बजे तक अखन नाइट कर्फ्यू लागू रहत।

बिहार मे 15 जून तक लागू रहत लॉकडाउन 4.0 केर प्रावधान

केंद्रीय गाइडलाइन कें जारी होबय कें संगहि बिहार समेत अन्य राज्‍य सेहो लॉकडाउन केर बढेबाक घोषणा केने अछि। बिहार सरकार राज्‍य मे 15 जून तक लॉकडाउन 5.0 कें बढ़ाबैत अहि दौरान लॉकडाउन 4.0 कें प्रावधान सब जारी रखबाक घोषणा केलनि। स्‍पष्‍ट अछि जे बिहार मे फिलहाल लॉकडाउन 5.0 मे लॉकडाउन 4.0 कें ई प्रावधान लागू रहत….

  • रेड जोन आ कंटेनमेंट जोन मे कोनो छूट नै मिलत।
  • रेड जोन आ कंटेनमेंट जोन कें बाहर उपभोक्ता वस्तु, कपड़ा आ रेडीमेड वस्त्र केर दुकान कें नियंत्रित ढंग सं खोलल जायत। ओतय फिजिकल डिस्‍टेंसिंग कें पालन आ भीड़भाड़ नै होबय कें आश्वश्‍यक होयत।
  • संबंधित जिलाधिकारी एकटा स्थान पर स्थित दुकान कें बारी-बारी सं सप्ताह कें अलग-अलग दिन अथवा अलग-अलग समय पर खोलबाक का आदेश जारी करात।
  • ग्राहक केर आवश्यक सामानक खरीदारी आसपास कें दुकान सं करबाक अछि। दूर जा को खरीदारी करबाक अनुमति नै अछि।
  • ओला आ उबर एवं अन्य टैक्सी केवल मेडिकल कारण सं उपयोग मे लायल जा सकेत अछि। एकर अलावा एकर उपयोग ट्रेन आ वायु यात्रा कें लेल रेलवे स्टेशन आ एयरपोर्ट आबे-जाय कें लेल कयल जा सकेत अछि।
  • ऑटो रिक्शा कें परिचालनक संबंध मे परिवहन विभाग अलग सं आदेश जारी करत।
  • जिला कें अंदर आ अंतरजिला यात्री बस केर परिचालन पर प्रतिबंध जारी रहत। अनुमान्‍य गतिविधि कें छोइर निजी गाड़ि आ लोगक अंतर जिला आ जिलाक अंदर परिचालन सेहो प्रतिबंधित रहत।
  • सरकारी कार्यालय मे उप-सचिव आ समकक्ष तथा हुनका वरीय अधिकारी केर शत-प्रतिशत तथा कनीय अधिकारी आ कर्मचारि कें प्रतिदिन बारी-बारी सं 33 प्रतिशत उपस्थितिक अनुमति देल गेल अछि।
  • निजी संस्था कें व्यवसायिक कार्यलय सेहो 33 प्रतिशत कर्मचारि कें संग खोलल जा सकेत अछि।
  • स्‍कूल कें खोलबा कें लेल केंद्र सरकार राज्य सरकार केर फैसला कें लेल अधिकृत केल गेल अछि, परन्तु अहि पर फिलहाल कोनो फैसला नै लेल कयल गेला।

अनलॉक 1 कें केंद्रीय प्रावधान मे मिलल अछि ई छूटें

केंद्रीय गृह मंत्रालय केर गाइडलाइन कें अनुसार लॉकडाउन 5.0 कें तहत निम्‍नलिखित छूट देल गेल अछि …

  • कंटेनमेंट जोन मे जारी रहत सख्‍ती। एहन इलाका मे धीरे-धीरे मिलल छूट।
  • मंदिर-मस्जिद-गुरुद्वारा-चर्च खोलल जायत।
  • 8 जून सं होटल आ रेस्टोरेंट खोलल जायत।
  • देश मे रात नौ बजे सं सुबह पांच बजे तक नाइट कर्फ्यू लागू रहत। ओना, जरूरी सामान कें लेल कोनो तरहक कर्फ्यू नै रहत।
  • स्कूल-कॉलेज खोलबा पर राज्‍य सरकार फैसला लैत।

केंद्र सरकार कें गाइडलाइन कें अनुसार आठ जून सं होटल कें सेहो खोलल जायत। अहि लेल उक्त तारीख सं बिहार में होटल आ रेस्टोरेंट सेहो पहिने तरहे खुल जायत। ओना ई व्यवस्था राइत नौ बजे तक रहत। रात नौ बजे सं सुबह पांच बजे तक एकरा बंद रोखल जायत।

दूसर आ तीसर चरणक ई अछि योजना

शिक्षण संस्‍थान कें बारे मे राज्य सरकार फैसला लेत। जुलाई मे तय होयत जे स्कूल खुलल जायत आ कि नै।

इंटरनेशनल फ्लाइट, मेट्रो रेल सेवा, सिनेमा हॉल, जिम, स्वीमिंग पूल, एंटरटेनमेंट पार्क, थिएटर, ऑडिटोरियम, असेंबली हॉल आदि केर बाद मे खोलल जायत।

स्थिति केर समीक्षा करबाक बाद सामाजिक, सांस्‍कृतिक, शैक्षणिक आ राजनीतिक आयोजन, स्पोर्ट्स, धार्मिक समारोह आदि बड़का जमावड़ा सेहो शुरू करबाक जोयना बनत।