Bihar Lockdown 4.0: पटना एयरपोर्ट सं रोजाना फ्लाइट, आउ जनैत छी शेड्यूल आ एडवाइजरी

0
72

लॉकडाउन कें दौरान बिहार सहित देश भरि मे जगह-जगह फंसल लोक कें लेल ई बड़का समाचार अछि। पटना एयरपोर्ट पर 25 मई सं विमान केर परिचालन शुरू भो गेल अछि। एकरा लेल शेड्यूल आ एडवाइजरी जारी को देल गेल अछि। एयरपोर्ट आबे-जाय कें लेल फ्लाइटक टिकट पास कें रूप मे मान्‍य रहत। एयरपोर्ट परिसर एवं टर्मिनल एरिया मे फिजिकल डिस्टेंसिंग केर पालन करे परत। यात्रा कें लेल मास्क आ ग्लव्स कें संग आरोग्य सेतु ऐप कें सेहो अनिवार्य को देल गेल अछि।

पटना एयरपोर्ट सं सोमवार सं पांच नगर कें लेल 17 फ्लाइट्स शुरू भो रहल अछि। अहि मे सर्वाधिक नौ दिल्‍ली कें लेल अछि। मुंबई आ बेंगलुरु कें लेल तीन-तीन तथा कोलकाता आ अमृतसर कें लेल एक-एक फ्लाइट्स रहत। उड़ान सब सुबह आठ बजे सं शुरू भो जायत। पहिल उड़ान दिल्‍ली कें लेल होयत।

आबे-जाय कें लेल एयर टिकटे रहत पास

पटना कें प्रमंडलीय आयुक्‍त संजय कुमार अग्रवाल बतओलनि जे वाहन सं एयरपोर्ट आबे-जाय लेल संबंधित यात्रि कें पासक जरूरत नै होयत। हुनकर एयर टिकटे पास केर काम करत। यात्रि सब कें एयरपोर्ट सं अपन गंतव्य तक जाय मे कोनो तरहे परेशानी कें सामना नै करे पड़े, एकरा लेल एयरपोर्ट स्टैंड मे पर्याप्त संख्या मे ओला व उबर कें टैक्सी, ऑटो आ ई रिक्शा आदि रहत। एकर अलावा ऑटो स्टैंड बनाओल गेल अछि।

आबे-जाय कें दौरान यात्रि सब केर मेडिकल स्क्रीनिंग

विमान सं उतरला आ टर्मिनल बिल्डिंग मे प्रवेश करे सं पूर्व यात्रिगन केर मेडिकल स्क्रीनिंग कयल जायत। एयरपोर्ट परिसर, स्टैंड, एयरपोर्ट लाउंज, चेक इन एरिया, काउंटर समेत सभ’ जगह पर फिजिकल डिस्टेंसिंग कें मानक केर पालन अनिवार्य होयत।

मास्क आ ग्लव्स कें संग आरोग्य सेतु एप अनिवार्य

यात्रिगण केर एयरपोर्ट आबे सं पहिने अपन मोबाइल मे आरोग्य सेतु ऐप डाउनलोड क’ रखबाक अछि। एयरपोर्ट सं टर्मिनल भवन मे प्रवेश करैत समय मुख्य गेट पर सीआइएसएफ कें जवान केर ई ऐप देखाबे परत। एयरपोर्ट मे प्रवेश करैत समय आ यात्रा कें दौरान मास्क पहिरने रखबाक अछि। एयरपोर्ट कें प्रवेश द्वार पर यात्रिगण केर थर्मल स्क्रीनिंग होयत। एकरा बाद सीआइएसएफ कें जवान केर ई-डाक्यूमेंट्स देखाबे परत।

यात्रा सं पहिने विमान कंपनी सं ली कोरोना सुरक्षा किट

विमान यात्रा कें दौरान यात्रि केर नियमक पालन करे परत। यात्रा सं पहिने यात्रि सब कें संबंधित विमान कंपनी कें काउंटर सं कोरोना सुरक्षा किट लेबा परत। अहि किट मे फेस मास्क, ग्लव्स आ सैनिटाइजर रहत। यात्रा कें बाद एकरा पियर रंग कें डस्टबिन मे डाले परत। शौचालय मे जेबा कें लेल कतार नै लगबे परत। विमान मे भोजन नै परोसल जायत।