पिछला साल 94 हजार प्रारंभिक शिक्षक कें बहाली प्रक्रिया शुरू भेल छल। ई प्रक्रिया जुलाई सं शुरू होबय जा रहल अछि। अहिमे आब राष्ट्रीय मुक्त विद्यालयी शिक्षा संस्थान (एनआइओएस) कें 18 महीनाक डीएलएड कोर्स करय वला शिक्षक अभ्यर्थि सब कें सेहो शामिल होबाक मौका मिलत। प्राथमिक शिक्षा निदेशक डॉ.रणजीत कुमार सिंह ई जानकारी देलनि।

ओ बतोओलनि जे एनसीटीई (राष्ट्रीय अध्यापक शिक्षा परिषद) डीएलएड योग्यताधारि कें बारे मे कहने छल, हिनका प्रारंभिक शिक्षक बहाली मे शामिल कयल जाय। आब ओ सेहो शिक्षक केर भर्ती परीक्षा मे शामिल भ’ सकता।

अतय कहि दी जे 18 महीना कें ई डीएलएड कोर्स कें ल’ विवाद केर शुरूआत ओही समय भेल, जखन बिहार राज्य सरकार कें ओर सं निकलल गेल 94 हजार प्रारंभिक शिक्षक केर भर्ती मे एनआइओएस सं ई कोर्स करय वला निजी स्कूलक शिक्षक साब सेहो आवेदन केलनि। अहि पर राज्य सरकार शिक्षक केर योग्यताक निर्धारण करय वला संस्था एनसीटीई सं पूछने छल, जे कि एनआइओएस सं 18 महीनाक डीएलएड करय वला सेहो शिक्षक भर्ती कें लेल योग्य अछि?

जाहि कें जबाव मे केंद्र सरकार सं जुड़ल ई संस्था 18 महीना कें ई डीएलएड कोर्स क’ एकरा लेल अमान्य करार द’ देलनि छल। जाकर बाद निजी स्कूल मे पढ़ाबे वला ई सभ’ शिक्षक पटना हाईकोर्ट पहुंचला। अहि बीच कोर्ट एनसीटीई कें पात्रता नियम केर गलत कहैत हिनका सभ’ कें शिक्षक भर्ती परीक्षा मे शामिल होबाक योग्य करार देलनि।