कोरोना इफेक्‍ट-EAVA-3 Model सं होयत चुनाव, एक लाख होयत मतदान केंद्र

Bihar Assembly Election 2020: ई बिहार विधानसभा चुनाव पर कोरोना इफेक्‍ट अछि। चुनाव आयोग 1000 सं अधिक मतदाता वला बूथ पर नबका मतदान केंद्र बनेबाक कर्य शुरू क’ देने अछि। आयोग केर अहि पहल कें बाद बिहार मे मतदान केंद्रक संख्या 73 हजार सं डेढ़ गुना बढ़ी क’ करीब एक लाख होबाक संभावना अछि।

कोरोना संक्रमण सं बचाव क’ ल’ भारत निर्वाचन आयोग एक हजार सं अधिक मतदाता वला बूथ पर सहायक बूथ बनेबाक प्रस्ताव मांगने छल। आयोग कें निर्देश पर मुख्य निर्वाचन अधिकारी कार्यालय जिला सं प्रस्ताव ल’ आयोग क’ भेज देल गेल अछि।

वर्तमान मे ग्रामीण क्षेत्र मे 1200 मतदाता पर एक बूथ अछि। ओतय, शहरी क्षेत्र मे 1400 मतदाता पर एकटा बूथ अछि। आयोग 2019 कें लोकसभा चुनाव मे अहि आधार पर मतदान करोने छल। परन्तु विधानसभा चुनाव मे कोरोना वायरस कें संक्रमण सं बचाव कें लेल आयोग चुनाव प्रक्रिया मे बहुत अहम बदलावक पहल तेज क’ देने अछि।

बिहार मे 7 करोड़ 18 लाख वोटर अछि आ करीब 73 हजार बूथ अछि। महत्पूर्ण बात ई अछि जे बिहार मे अहि बेर ईएवीए-3 मॉडल चुनाव कराओल जायत। बूथक विस्तृत स्थिति क’ देखि त’ राज्य मे शहरी क्षेत्र मे 8239 बूथ जखन ग्रामीण क्षेत्र मे 42643 बूथ अछि। ओतय, लोकेशन कें अनुसार शहरी क्षेत्र मे 3835 लोकेशन (भवन) मे बूथक गठन कयल गेल अछि, जतय ग्रामीण क्षेत्र मे 42643 लोकेशन (भवन) मे बूथक गठन कयल गेल अछि।

की अछि ईवीएम-3

बेसि ई देखल जायत अछि जे हर चुनाव कें बाद हारय वला पार्टि हार केर ठीकरा ईवीएम पर फ़ोइर क’ धांधली कें आरोप लगबैत अछि। अहि लेल आब आयोग ईवीएम एम-3 यानी इलेक्ट्रॉनिक वोटिंग मशीन मार्क-3 कें इस्तेमाल करय जा रहल अछि। सभ’ ईवीएम क’ अपग्रेड कयल जा रहल अछि।

ईवीएम कें चिप क’ सिर्फ एके बेर प्रोग्राम कियल जा सकेत अछि आ चिप कें सॉफ्टवेयर क’ पढ़ल नै जा सकत। एकरा इंटनेट आ कोनो नेटवर्क सं नै जोड़ल जा सकेत अछि। एकरा खोलबाक प्रयास कयल गेल त’ ई मशीन छेड़छाड़ करय वला कें फोटो खींचलाक बाद अपने बंद भ’ जायत। एकरा अलावा ईवीएम मार्क-3 मे 384 प्रत्याशि केर जानकारी रखल जा सकेत अछि।