बिहार मे कोरोना वायरस कें प्रकोप तेजी सं बढ़ैत जा रहल अछि, प्रतिदिन बेसि संख्या मे कोरोना कें नबका मरीज मिल रहल अछि। एकरा देखैत कोरोना सं बचाव कें मद्देनजर बहुत जिला मे ओतय कें प्रशासन कड़ा कदम उठौने अछि। एकरा तहत बिहार कें 11 जिला मे फेर सं लॉकडाउन लगा देल गेल अछि। अहिमे राजधानी पटना कें संगे कैमूर, बक्सर, नवादा, सुपौल, मधेपुरा, खगड़िया, मुंगेर, किशनगंज, मुजफ्फरपुर,पश्चिमी चंपारण, पूर्वी चंपारण, मधुबनी, नालंदा, भागलपुर, बेगूसराय, मधेपुरा शामिल अछि।

ओतय, बहुत जिला मे प्रशासन सं लॉकडाउन लागू कयल गेल अछि। अहिमे वैशाली आ नालंदा जिला अछि। जिला सब अपने ओतय अलग-अलग अवधि धरि कें लेल लॉकडाउन लगौने अछि। ओतय, पूर्णिया नगर निगम क्षेत्र मे शुक्रदिन आ भोजपुर जिला मुख्यालय आरा शहर कें मुख्य बाजार वला इलाका मे 11 सं लॉकडाउन रहत।

पटना मे आइ सं देखल जा रहल अछि लॉकडाउनक असर

पटना मे आइ भोर सं लॉकडाउनक असर देखा रहल अछि, सड़क पर ट्रैफिक कम अछि आ दुकान सेहो कामे खुलल अछि। राजधानी केर सड़क पर बहुत  जगह भोर सं सन्नाटा पसरल अछि ओतय पैदल सेहो कनिके लोक बाहर निकललल छल।  जिला मे दुकाना क’ दू पालि मे खोलबाक निर्णय लेल गेल अछि। पटना मे 10 बजे धरि किराना दुकान आ दवा केर दुकान खुलत जखन फल, अंडा, मीट, माछक दुकान साज मे 4 बजे सं 7 बजे धरि खुलत।

बिहार के अहि जिला में लॉकडाउनक अवधि

-बेगूसराय 11 सं 16 जुलाई धरि

-नालंदा 11 सं 15 जुलाई धरि

-मुंगेर 10 सं 16 जुलाई धरि

-मधेपुरा 10 सं 16 जुलाई धरि

-खगड़िया 10 सं 14 जुलाई धरि

-मुजफ्फरपुर हफ्ता मे दू दिनक बंदी

-पटना मे 10 जुलाई सं 16 जुलाई धरि लॉकडाउन

-बक्सर मे 10 जुलाई सं 12 जुलाई धरि लॉकडाउन

-नवादा मे 10 जुलाई सं 12 जुलाई धरि लॉकडाउन

-पश्चिमी चंपारण मे 9 जुलाई सं अगला आदेश धरि लॉकडाउन

-पूर्वी चंपारण मे 8 जुलाई सं 14 जुलाई धरि लॉकडाउन

-खगड़िया मे 10 जुलाई सं 14 जुलाई धरि लॉकडाउन

-पूर्णिया मे 10 जुलाई सं 16 जुलाई धरि लॉकडाउन

-किशनगंज मे 7 जुलाई सं 10 जुलाई धरि लॉकडाउन

-भागलपुर मे 9 जुलाई सं 15 जुलाई धरि लॉकडाउन

-मधुबनी मे भेल छल तीन दिनक लॉकडाउन

-सुपौल मे 10 जुलाई सं सं 12 जुलाई धरि लॉकडाउन