प्रवासी मजदूर क’ मनरेगाक तहत मिलत काम-काज संगहि डॉक्टर भेला बर्खास्त, नीतीश कैबिनेट केर फैसला

0
22

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कें मंत्रिमंडलक आइ बैठक भेल, जाहिमे बिहार लौटल प्रवासी मजदूर क’ आब मनरेगा कें तहत रोजगार देबाक प्रस्ताव क’ मंजूरी मिल गेल अछि. सूत्रक मुताबिक आब बिहार मे मनरेगा कें तहत जल संचय कें कार्य सेहो कयल जायत. प्रदेश मे आब तालाब आ जल संचय सं जुड़ल सभ’ प्रकार केर योजनाक जीर्णोद्धार मनरेगा कें तहत कराओल जायत.

कैबिनेट केर मुहर लगबाक बाद आब राज्य मे 5 एकड़ तक कें जलाशय कें निर्माण मनरेगा कें तहत कराओल जायत, जाहिसँ प्रवासी मजदूर केर रोजगार मिलत. ओतय दोसर तरफ बिहार कैबिनेट मे 11टा डॉक्टर केर बर्खास्त करबाक प्रस्ताव केर मंजूरी मिल गेल जे पिछला बहुत वर्ष सं अपन कार्यस्थल सं नदारद छला.

कें भेला बर्खास्त –

  1. डॉ. ओ पी लाल, चिकित्सा पदाधिकारी रोहतास
  2. डॉ. कमरान हबीब चिकित्सा पदाधिकारी बांका
  3. डॉ. नित्यानंद पाठक चिकित्सा पदाधिकारी, सुपौल
  4. डॉ. याकूब सांगा, चिकित्सा पदाधिकारी सारण
  5. डॉ. इंद्र मोहन कुमार चिकित्सा पदाधिकारी, सिवान
  6. डॉ सुनीता कुमारी, चिकित्सा पदाधिकारी गोपालगंज
  7. डॉ. हारून रशीद चिकित्सा पदाधिकारी कटिहार
  8. डॉ. रेनू कुमारी चिकित्सा पदाधिकारी कटिहार
  9. डॉ. सविता कुमारी शर्मा चिकित्सा पदाधिकारी छपरा
  10. डॉ. अबू सुफियान चिकित्सा पदाधिकारी सहरसा
  11. डॉ मोहम्मद तनवीर आलम चिकित्सा पदाधिकारी, कटिहार