Lockdown Bihar: प्रवासी श्रमिक पर CM नीतीश केर बड़का फैसला, सब कें भेटत पांच किलो मुफ्त अनाज

0
54

Lockdown Bihar: लॉकडाउन (Lockdown) केर दौरान परेशान प्रवासी श्रमिक (Migrant Labourers) कें ल’ मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार (CM Nitish Kumar) बड़का फैसला केलनि अछि। राज्‍य सरकार सभ’ प्रवासी श्रमिक कें मई व जून मे पांच किलोग्राम प्रति व्यक्ति दर सं मुफ्त चावल (Free Rice) देबाक आदेश देलनि अछि। पंचायत स्तर पर एक आ दू जन वितरण प्रणाली (PDS) दुकान कें चिह्नित क’ ओहि माध्यम सं चावल देल जायत। प्रत्येक दिन पूर्वाह्न 10 बजे सं अपराह्न दू बजे केर बीच अनाजक वितरण कयल जायत।

सरकार जारी केलक दिशा-निर्देश

अहि संबंध मे खाद्य एवं उपभोक्ता संरक्षण विभाग केर सचिव पंकज कुमार पाल सभ प्रमंडलीय आयुक्त एवं जिलाधिकारिक दिशा-निर्देश जारी क’ देने अछि। पंकज कुमार पाल द्वारा सभ जिलाक प्रवासी श्रमिक केर पहचान तत्काल सूचीबद्घ क’ उपलब्ध करबाक निर्देश देल गेल अछि, तहन सार्वजनिक वितरण प्रणालीक दुकान केर माध्यम सं हुनक परिवारक सभ सदस्य कें अनाज शीघ्र मुहैया कराओल जा सकत. अनाज वितरणक रिकार्ड कें लेल पॉस मशीनक इस्तेमाल केर संग-संग पंजी सेहो तैयार कराओल जायत।

तैयार भ’ रहल प्रवासी श्रमिकक सूची

सचिव बतओलनि जे प्रवासी श्रमिक केर पहचान आ हुनक ब्यौरा समेत सूची जिलावार आ पंचायतवार तैयार कराओल जा रहल अछि। सब जिला कें 18 मई तक पोर्टल पर सूची देबा लेल कहल जा चुकल अछि। पंचायत स्तर पर प्रवासी मजदूरक डाटा पोर्टल पर अपलोड करबाक निर्देश देल गेल अछि।

सूची मे श्रमिकक नाम, पिता या पति केर नाम, प्रवास सं वापस आयल सभ सदस्यक नाम, आधार नंबर आ मोबाइल नंबर केर इंट्री अनिवार्य अछि। सभ सदस्यक आधार नंबर केर इंट्री सेहो आवश्यक छै। प्रत्येक परिवारक कम सं कम एक सदस्यक मोबाइल नंबरक इंट्री सेहो अनिवार्य छै, तहने खाद्यान्न वितरण सं संबंधित सूचना परिवार कें हुनकर द्वारा दर्ज करायल गेल मोबाइल नंबर पर एसएमएस केर माध्यम सं देल जा सकत।