लॉकडाउनमे फंसल मजदूर जखनि 40 दिनक पैघ इंतजारकें बाद अपन घर पहुंच रहल अछि, त’ हुनकर पाहुन जकाँ स्वागत कएल जा रहल छन्हि। एतबे नहि, प्रशासन कहैत अछि जे 21 दिनक क्वारनटीन पीरियड पूरा कएलाक बाद मजदूर सभके जॉब कार्ड बनाओल जायत आ सभकेँ मनरेगा केर तहति रोजगार देल जायत।

वेलकम किटमे भेटै छै संपूर्ण वस्तु

समस्तीपुर जिला प्रशासन मजदूर सभ लेल वेलकम किट केर इंतजाम कयने अछि। बाहर सँ आबय वाला लोक कें 21 दिनक अवधि तक क्वारंटाइन सेंटर मे रखबा सँ पहिले हुनका वेलकम किट देल जा रहल अछि। पुरुष सबहक वेलकम किट मे गमछा, लुंगी, गंजी, आयना, कंघी, ब्रश, बाल्टी, मच्छरदानी आदि मौजूद रहैत छै। तहिना महिला सभहक वेलकम किट मे साया, ब्लाउज, कंघी, ग्लास, सेनेटरी नैपकिन, बाल्टी, मच्छरदानी आदि रहैत छै। प्रशासन एकरा ‘डिग्निटी किट’ नाम देने अछि।

रोजेदार लोकनि लेल सेहरी आ इफ्तार केर प्रबंध

डीएम, क्वारनटीन सेंटर केर प्रभारी सभकेँ रोजेदार लेल सेहरी आ इफ्तार केर प्रबंध करबा लेल कहने छथि। एकरा संग प्रशासन कहलक जे प्रवासी मजदूर कें 21 दिनक क्वारनटीन अवधि जेना पूर्ण होयत, मनरेगा केर तहति सभहक जॉब कार्ड बनाओल जायत आ नौकरी देल जायत।