‘बॉलीवुडक ‘मस्‍त गर्ल’ (Mast Girl) रहलि अभिनेत्री रवीना टंडन ट्वीट क’ मधुबनी कें रहिका प्रखंड कें जितवारपुर निवासी रेमंत कुमार मिश्रा कें लेल प्रसिद्धि कें संग समृद्धि ल’ आयल अछि। कोरोना संक्रमण सं बचाव कें लेल बनाओल गेल हुनकर मधुबनी पेंटिंग (Madhubani Painting) वला मास्‍क आब दूर-दूर धरि सप्‍लाई कयल जा रहल अछि। आइ रेमंत कें पास तीन सं चाइर हजार मास्क तैयार अछि। जखन,ऑर्डर पांच हजार सं अधिक अछि। एकरा पूरा करबाक लेले ओ पत्नी आ बहुत कलाकार कें संग लगातार काज क’ रहल छथि।

आम सं ल’ खास लोक धरि उपलब्ध करा रहला मास्‍क

37 वर्षीय रेमंत मधुबनी पेंटिंग वला मास्क तैयार क’ आम सं खास लोक क’ उपलब्ध कराबय मे जुटल छथि। सोशल मीडिया पर हुनकर एहन मास्‍क पर रवीना टंडन केर नजैर पैर गेलनि। ओ ट्वीट मे एकर तारीफ क’ देलनि। फेर की अछि, रेमंत ट्रेंड होबय लगला। ऑर्डर पर आर्डर आबय लगलन। स्थिति ई भ’ गेल अछि जे हुनका मोबाइल स्विच ऑफ करय पड़ल।

एक दर्जन कलाकार संग रोजाना चाइर सौ कें निर्माण

बीतल दू माह मे ओ 10 हजार सं अधिक मास्क केर आपूर्ति केलनि। एकर कीमत 50-75 रुपया धरि अछि। बढ़ैत मांग क’ देखैत एक दर्जन सं अधिक कलाकार कें संग प्रतिदिन तकरीबन चाइर सौ मास्क बना रह छथि।

मधुबनी पेंटिंग सं लगाव, हासिल क’ चुकल छथि बहुत मुकाम

रेमंत कें मधुबनी पेंटिंग सं गहरा लगाव रहल अछि। ओ अहि क्षेत्र मे बहुत मुकाम हासिल क’ चुकल छथि। वर्ष 2019 मे राज्य सरकार हुनका स्टेट अवार्ड देने छल। मॉरीशस सरकार, पांडिचेरी सरकार तथा गोवा सरकार सेहो सम्मानित क’ चुकल अछि। रेमंत केर पत्नी उषा क’ सेहो अहि कला मे बिहार सरकार सम्मानित क’ चुकल अछि।