बिहार कें डीजीपी कें नून-रोटी खेबाक आ चक्की पिसबाक बात सं कहीं अहाँ चकरा त’ नै गेनाउ। अहि सं पहिने जे एकर कोनो दूसर संदर्भ निकलय, हम अतय स्थिति स्पष्ट क’ द’ रहल छी। बिहार पुलिस कें मुखिया गुप्तेश्वर पांडेय रैबदिन कें राइत पश्चिम चंपारण पहुंचल छला। भोर मे बेतिया मे ओ वरीय पुलिस अधिकारि कें संग बैठक केलनि। कानून व्यवस्था क’ दुरुस्त करबाक लेल जरूरी निर्देश देलनि।

कोरोना कें बढ़ैत संक्रमण क’ देखैत लोक क’ केना मास्क पहिरि आ शारीरिक दूरी कें पालन करबाक लेल प्रेरित केनाइ अछि, एकरा बारे मे विस्ताार सं बतओलनि। एकरा बाद डीजीपी सहोदरा थाना कें कटरा गांव मे पहुंचला। आजादी कें बाद सं अखन धरि अहि गांव कें कोनो भी व्यक्ति मुकदमा करबाक लेल थाना मे नै आयल अछि। एकरा बाद ग्राम भ्रमण पर निकलला। अहि बीच ग्रामीण हरि नारायण महतो कें दरवाजा पर रुकला। ओतय ठार चंपा देवी सं ओ आजुक बनल भोजन कें बारे मे पूछलाथ। चंपा देवी रोटी बनबाक बात कहलि। ओ रोटी कें संग नून-मिरचाइ मंगलाथ आ आनंद सं खेलैथ। अहि दौरान जखन हुनकर नजैर चक्की पर पड़ल त’ ओकरो घुमेला।