बिहार मे 90 प्रतिशत सं बेसी कोरोना मरीज ठीक भ’ गेला घर

बिहार मे पिछला 24 घंटाक भीतर 1421 नबका कोरोना संक्रमितक पुष्टि भेल अछि ओतय 1700 लोक कें ठीक भेला सं राज्य मे संक्रमण सं स्वस्थ होबाक दर लगभग 90 प्रतिशत भ' गेल अछि, मुदा अहि बीच 11 लोक अपन जान गंवा देलथि।

0
166

बिहार मे पिछला 24 घंटाक भीतर 1421 नबका कोरोना संक्रमितक पुष्टि भेल अछि ओतय 1700 लोक कें ठीक भेला सं राज्य मे संक्रमण सं स्वस्थ होबाक दर लगभग 90 प्रतिशत भ’ गेल अछि, मुदा अहि बीच 11 लोक अपन जान गंवा देलथि।

सूचना एवं जनसंपर्क विभाग कें सचिव अनुपम कुमार, स्वास्थ्य विभागक सचिव लोकेश कुमार सिंह आ अपर पुलिस महानिदेशक (मुख्यालय) जितेंद्र कुमार सैंदिन कोरोना संक्रमणक रोकथाम कें विषय मे अद्यतन जानकारी वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग कें माध्यम सं आयोजित नियमित संवाददाता सम्मेलन मे साझा करैत कहलनि जे पिछला 24 घंटा मे कोरोना संक्रमणक 1421 नबका मामला सामने आयल अछि। एकरा संगहि राज्य मे कोविड-19 केर चपेट मे आयल लोकक संख्या बढ़ि क’ 1,56,866 पहुंच गेल अछि। वर्तमान मे बिहार मे कोरोनाक 14899 एक्टिव मरीज अछि।

लोकेश कुमार कहलनि जे कोरोना संक्रमण सं पिछला 24 घंटा मे 1700 लोक स्वस्थ भेल अछि। अहि तरहे अखन धरि एक लाख 41,158 लोग कोविड-19 कें मात द’ चुकल छथि। ओ कहलनि जे पिछला 24 घंटा मे एक लाख पांच हजार 930 सैंपल केर जांच कयल गेल अछि आ अहि तरहे बिहार मे अखन धरि कुल 47,73,917 सैंपल केर जांच भ’ चुकल अछि।

अहाँ अपन विचार लिखु

Please enter your comment!
Please enter your name here