आब दक्षिण बिहार मे भारी बरखाक संभावना, मौसम विभाग जारी केलक चेतावनी

मानसून कें अक्षीय रेखा झारखंड कें ओर शिफ्ट भेला सं नेपाल सं सटल तराई वला जिला में बरखाक तीव्रता मे कमी आयल अछि। जखन बंगालक खाडी क्षेत्र सं आबि रहल वला हवा केर कारण सं अखनो तराई वला इलाका मे किछू स्थान पर भारी बरखाक आसार अछि।

0
38

संगे बिहारक दक्षिणी भाग मे बहुत स्थान पर हल्का सं मध्यम बरखाक आसार अछि। मौसमविदा कें मुताबिक अखन मानसून केर अक्षीय रेखा डाल्टेनगंज आ दुमका सं होइत गुजैर रहल अछि। जाहि कारण सं एकरा सं सटल बिहारक दक्षिणी भाग मे एकर असर देखल जायत। उम्हर पिछला 24 घंटा मे राज्य मे बेसी स्थान पर भारी बरखाकदर्ज कयल गेल । पिछला 24 घंटा मे सिसवन मे 110 मिमी, कटोरिया मे 110 मिमी, सुरसंड, मुरलीगंज, चकिया आ बेलसंड मे 80 मिमी, मुसहरी, केसरिया, माधवपुर, जलालपुर, हायाघाट, मीनापुर आ समस्तीपुर मे 70 मिमी बरखा दर्ज कयल गेल।

पटना मे बुधदिन मौसम साफ रहल। दिन भरी कड़ा धूपक कारण सं लोक केर गर्मी कें सामना करय परल।अधिकतम तापमान 34.6, गया कें 35, भागलपुर कें 34.7 आ पूर्णिया कें 33.5 डिग्री सेल्सियस रहल।