नीतीश कुमार क’ बिना चुनाव करौने फेर सं CM बनेबाक मांग, निर्वाचन आयोग क’ सौंपलनि ज्ञापन

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क’ बिना चुनाव करौने अगला 5 साल कें लेल मुख्यमंत्री नियुक्त करबाक मांग उठल अछि। पटना कें युवा वर्ग कें लोक अहि संबंध मे बिहार कें मुख्य निर्वाचन पदाधिकारी क’ ज्ञापन सौंपलनि।

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क’ बिना चुनाव करौने अगला 5 साल कें लेल मुख्यमंत्री नियुक्त करबाक मांग उठल अछि। पटना कें युवा वर्ग कें लोक अहि संबंध मे बिहार कें मुख्य निर्वाचन पदाधिकारी क’ ज्ञापन सौंपलनि।

ज्ञापन मे कहल गेल जे कोरोना महामारी कें मद्देनजर चुनाव रद्द करी आ नीतीश कुमार क’ अगला 5 साल कें लेल मुख्यमंत्री नियुक्त करल जाय। पटना कें युवागण कहलनि जे कोरोना महामारी क’ देखैत सीबीएसई आ आईसीएसई बोर्ड 10वीं आ 12वीं केर परीक्षा रद्द क’ आंतरिक मूल्यांकनक आधार पर रिजल्ट देबाक फैसला लेलनि अछि।

युवा अपन ज्ञापन मे कहलनि जे चुनाव आयोग सं आग्रह करय छी जे कोरोना क’ देखैत बिहार कें हित क’ ध्यान मे रखैत आगामी विधानसभा चुनाव क’ रद्द होबाक चाहि। संगे पिछला 15 साल कें परफॉर्मेंस क’ देखैत वर्तमान मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क’ अगला 5 साल तक बिहारक मुख्यमंत्री कें तौर पर नियुक्त करू। युवा निर्वाचन आयोग सं आग्रह केलनि जे हमर मांग पर गंभीरता सं विचार करल जाय।