जिला कें अधिकतर प्रखंड कोरोनाक चपेट मे आबि गेल अछि। लौकही प्रखंड मे कोरोनाक चाइरटा नबका मामला सामने आयल अछि। ई प्रखंड अखनि धरि तक कोरोना सं बचल छल। अहि तरहे जिला कें 21 मे सं 18 प्रखंड कोरोना बीमारी कें दायरा मे आबि गेल अछि। अंधराठाढ़ी, हरलाखी आ बिस्फी मे अखन धरि एकटा मामला सामने नै आयल छल।
पिछला एक सप्ताह मे कोरोना मरीजक संख्या मे बहुते वृद्धि भेल अछि। अहि मे सबसा अधिक बासोपट्टी मे संक्रमित सामने आयल अछि। जखन अहि प्रखंड मे बहुत देर सं मामला सामने आयल छल। ओतय आजुक समय मे पंडौल केर सबसा अधिक मामला सामने आयल अछि। शुक्रदिन सेहो पंडौलक दू युवक कें पॉजिटिव पायल गेल छल। ई दुनू युवक प्रखंड कें दू अलग-अलग पंचायतक निवासी छल। एकटा सरिसब पाही पश्चिमी पंचायत कें नवटोलक रहे वला छला। ओ कोलकाता सं आयल छला। एकटा राइत धरि घोर पर स्वजन केर बीच रोहल छला। दोसर दिन स्थानीय मुखिया राम बहादुर चौधरी कें दबाव मे ओ ब्रह्मोत्तरा स्थित प्रोजेक्ट बालिका उच्च विद्यालय स्थिथ प्रखंड क्वरंटाइन कैंप मे गेल छला। जतय हुनका बुखार कें शिकायत भेल छल। एकरा बाद हुनकर सैंपल जांच कें लेल गेल छल। दूसर युवक नरपतिनगर पंचायत कें डीहटोलक रहे वला छला। ओ मुंबई सं सीधा प्रखंड क्वारंटाइन कैंप आयल छला। बुखारक शिकायत होबा पर हुनकर सैंपल लेल गेल छल। ओतय भगवतीपुर पंचायत कें पांच प्रवासि केर रिपोर्ट पॉजिटिव आयल अछि।