बॉलीवुड अभिनेता दिवंगत सुशांत सिंह राजपूत केसके सिलसिला मे मुंबई मे जांच क’ रहल बिहारक पटना पुलिसक एसआईटी कें लीड करबाक लेल गेल आईपीएस अधिकारी विनय तिवारी आइ अओताह पटना। मुंबई पहुंचला पर बीएमसी हुनका ‘जबरन’ क्वारंटाइन मे भेज देने छल।

मुंबई मे क्वारंटाइन कयल गेल आईपीएस विनय तिवारी बतओलनि जे बीएमसी कें अधिकारि मैसेज क’ जानकारी देलक जे हमरा क्वांटाइन सं छोड़ल जा रहल अछि। ओ आइ अओताह पटना। अहि सं पहिने सुशांत केसके सीबीआई कें देलाक बाद बिहार पुलिसक चाइर सदस्य वला पटना पुलिसक एसआईटी बुधदिन वापस लौट आयल छल।  

‘जबरन’ क्वारंटाइन केला पर मचल छल हंगामा
आईपीएस विनय तिवारी कें क्वारंटाइन केला पर बहुत हंगामा मैच गेल छल। बिहार कें डीजीपी गुप्तेश्वर पांडेय सं ल’ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ बिहारक सत्तापक्ष आ विपक्षक बहुत नेता कड़ा प्रतिक्रिया व्यक्त केने छल। मामला मे सु्प्रीम कोर्ट धरि कड़ा टिप्पणी करैत कहने छल जे ‘अभिनेताक मृत्यु कें मामला मे सच्चाई सामने एबाक चाहि। सुप्रीम कोर्ट कहलाक जे मुंबई पुलिस केर पेशेवर प्रतिष्ठा निक अछि मुदा बिहार पुलिस ऑफिसर कें क्वारंटाइन केला सं निक संदेश नै गेल अछि।’