बिहार मे उफनैत नदिक पानि सं नव क्षेत्रक जलमग्न भ’ गेला सं बाढिक स्थिति बेसी बिगैर गेल अछि। राज्य कें 14 जिला मे 56 लाख सं अधिक लोक बाढि सं प्रभावित भेल अछि, जाहिमे, सं 4,18,490 लोक केर अखन धरि सुरक्षित स्थान धरि पहुंचाओल जा चुकल अछि।

आपदा प्रबंधन विभाग सं सोमदिनक जानकारी मुताबिक प्रदेशक 14 जिला सीतामढ़ी, शिवहर, सुपौल, किशनगंज, दरभंगा, मुजफ्फरपुर, गोपालगंज, पूर्वी चम्पारण, पश्चिम चंपारण, खगडिया, सारण, समस्तीपुर, सिवान आ मधुबनी मे 56,53,704 लोक बाढि सं प्रभावित अछि। अहिमे सं 4,18,490 लोक केर सुरक्षित स्थान पर भेजल जा चुकल अछि। 17,554 लोक 19 राहत शिविर मे शरण लेने अछि। बाढिक कारण विस्थापित लोक केर भोजन करेबाक लेल 1,358 सामुदायिक रसोईक व्यवस्था कयल गेल अछि।

राज्यक दरभंगा जिला मे सबसा अधिक 18,61,960 लोक बाढि सं प्रभावित भेल अछि। बिहारक बाढि प्रभावित अहि जिला मे बचाव आ राहत कार्य कें लेल  एनडीआरएफ आ एसडीआरएफ केर कुल 31 टीमक तैनाती कयल गेल अछि। बिहारक अहि जिला मे बाढिक कारण अधवारा समूह नदी, लखनदेई, रातो, मरहा, मनुसमारा, बागमती, अधवारा समूह, कमला बलान, गंडक, बूढ़ी गंडक, कदाने, नून, वाया, सिकरहना, लालबेकिया, तिलावे, धनौती, मसान, कोशी, गंगा, कमला बलान, करेह आ धौंस नदीक जलस्तर कें बढ़बा अछि।

उल्लेखनीय अछि जे बिहार मे बाढि सं कुल 13 लोक कर मृत्यु भ’ चुकल अछि जाहिमे सं दरभंगा जिला मे सबसा अधिक सात, पश्चिम चंपारण मे चाइर, मुजफ्फरपुर मे दू लोक केर मृत्यु भेल अछि।

बिहार मे बाढि कें ल’ सरकार पूर्ण तरहे सजग : नीतीश कुमार
ओतय, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे कोरोना संक्रमण आ बाढि पर सरकार पूर्ण तरहे सजग अछि। अहि दुनू कें ल’ एक-एकटा आवश्यक इंतजाम कयल जा रहल अछि। कोनो एहन दिन नै अछि,जखन जिला सं आ संबंधित विभागक पदाधिकारि सं बात नै होयत अछि। रोज एक-एकटा चीजक जानकारी लेल जायत अछि आ ओहि पर कार्रवाई होयत अछि।