सीतामढ़ी, दरभंगा, मुजफ्फरपुर समेत बिहार कें 8 जिलाक 3 लाख आबादी बाइढ़क चपेट मे

0
100

बाइढ़क चपेट मे बिहार कें 8 जिला आबि गेल अछि। प्रभावित जिला मे सीतामढ़ी, शिवहर, सुपौल किशनगंज, दरभंगा, मुजफ्फरपुर, गोपालगंज आ पूर्वी चंपारण शामिल अछि। अहि आठ जिलाक 37 प्रखंडक 153 पंचायत बाइढ़क चपेट मे अछि।

आपदा प्रबंधन विभाग कें अनुसार लगभग तीन लाख (2.92 लाख) लोक अखन बाइढ़क चपेट मे अछि जाहिमे सबसा बेसि दरभंगाक 1 लाख 58 हजार त’ किशनगंज कें सबसा कम मात्र 290 लोक बाइढ़ सं प्रभावित अछि। सरकार प्रभावित केर सहायता कें लेल 7 राहत शिविर खोलने अछि, जाहिमे सुपौल मे दूटा दरभंगा मे दूटा आ गोपालगंज मे तीन अछि। अहि राहत शिविर मे 2306 लोक रहि रहल छथि। जखन प्रभावित कें लेल जिला प्रशासनक ओर सं सामुदायिक रसोईघर कें सेहो संचालन शुरू क’ देल गेल अछि।

8 जिला मे कुल 27 सामुदायिक रसोईघर कें संचालन भेल, जाहिमे 20 हजार 876 लोक कें भोजन देल गेल। आपदा प्रबंधन विभाग कोरोना काल मे जिला प्रशासन कें पहिने निर्देश देने छल, जे लोकक सुरक्षा कें कोनो हाल मे पालन कयल जाय। कॉम्युनिटी किचन मे पूर्ण सतर्कता बरतल जाय आ बच्चा व वृद्ध क’ कोरोना सं बचाव कें लेल सोशल डिस्र्टेंंसग अनिवार्य रूप सं मेंटेन करि। अहि तरहे राहत शिविर मे रहि रहल लोक क’ मास्क आ सोशल डिस्र्टेंंसग कें अनिवार्य रूप सं पालन करबाक लेल कहल गेल अछि ताहिसँ बाढ़ मे घिरल लोक कें बीच कोरोना वायरस कें फैलाव नै होय।

ओतय दूसर ओर उत्तर बिहार मे नदि कें पइन मे उतार-चढ़ाव कें बीच बाइढ़-कटाव कें संकट सं तबाही कें दौर जारी अछि। सीतामढ़ी मे एप्रोच पथ त’ मधुबनी मे पुलिया ध्वस्त भ’ गेल अछि। मुजफ्फरपुर कें अहियापुर थाना मे पइन घुइस गेल। सीतामढ़ी मे डूबला सं दू गोटा कें मृत्यु भ’ गेल। गंडक, बूढ़ी गंडक, बागमती कें रुख अलग-अलग हिस्सा मे कतौ नरम त’ कतौ गरम अछि। मनुषमारा, लखनदेई आ अधवारा समूहक नदि सेहो खूब तेवर देखा रहल अछि।