पूरा मधुबनी शहर क’ कंटेनमेंट जोन घोषित करैत तीन दिन कें लेले बंद क’ देल गेल अछि। अहि दौरान आवश्यक सेवा क’ छोइर सभ’ तरहक दुकान बंद रहत। ई फैसला डीएम डॉ. निलेश देवरे शहर मे कोरोना संक्रमण कें बढ़ैत मामला क’ देखैत लेलैथ।

फैसला कें तहत शहर मे दूध, सब्जी, दवाई आ किराना केर दुकाने खालि खुलल रहत। कोनो भी तरहक सवारी गाड़ी कें परिचालन पर पूर्णत: रोक रहत। मालवाहक गाड़ि क’ एबाक इजाजत होयत। निजी गाड़ि जे बाहर जायत, ओकरा रामपट्टी होयत समिया ढाला होइत एनएच पर भेजल जायत। एसडीएम सुनील कुमार सिंह बतओलनि जे शहर मे बितल तीन दिन मे कोरोना संक्रमित केर संख्या मे बढ़ोतरी भेल अछि। जखन, स्थिति पूर्ण तरहे नियंत्रण मे अछि। परन्तु, प्रशासन ने एतियात कें तौर पर ई फैसला लेल गेल अछि, जाहिसँ संक्रमण नै फैल पाबै । शहर मे प्रेवश कें सभ’ रास्ता पर बैरिकेडिंग होयत। पुलिस कें जवान आ मैजिस्ट्रेट केर तैनाती रहत। शहर मे मास्क पहिरनाइ अनिवार्य क’ देल गेल अछि। बिना मास्क पहिरने लोक सब पर फाइन कें संग कानूनी करवाई सेहो कयल जायत। शहर मे माइकिंग कें माध्यम सं लोक क’ जानकारी सेहो देल गेल।

तीन दिन मे 18 मामला सामने आयल शहर मे


मिलल जानकारी कें मुताबिक बीतल तीन दिन मे शहर मे कोरोना संक्रमित कें 18 मामला बताओल जा रहल अछि। एकर आर बढ़बाक आशंका अछि। गिलेशन बाजार, लोहापट्टी, आरके कॉलेज रोड, सूरतगंज, जलधारी चौक, कीर्तन भवन रोड, भुआरा आ पुलिस लाइन कें निकट सं संक्रमित मामला सामने आयल अछि। गिलेशन बाजार मे कोरोना मामला निकलबाक लोक मे दहशत अछि। कही दी जे ई मुख्य बाजार अछि। लोक क’ डर सता रहल अछि जे हाल कें दिन मे बहुत लोक अहि बाजार मे गेल छला।