Monday, October 26, 2020
मुख्यपृष्ठ बिहार महागठबंधन मे सीट बंटवारा कें गुथी सुलझल

महागठबंधन मे सीट बंटवारा कें गुथी सुलझल

बिहार विधानसभा  चुनाव कें लेल महागठबंधन मे सीट शेयरिंग कें ऐलान भ' गेल अछि। सैंदिन पटनाक मौर्या होटल मे आयोजित एकटा प्रेस कॉन्फ्रेंस मे एकर घोषणा कयल गेल।

बिहार विधानसभा  चुनाव कें लेल महागठबंधन मे सीट शेयरिंग कें ऐलान भ’ गेल अछि। सैंदिन पटनाक मौर्या होटल मे आयोजित एकटा प्रेस कॉन्फ्रेंस मे एकर घोषणा कयल गेल। बिहार विधानसभा कें 243 सीट मे सं 144 पर राष्ट्रीय जनता दल, 70 पर कांग्रेस आ 29 सीट पर लेफ्ट चुनाव लड़त।

कांग्रेस स्क्रीनिंग कमिटी कें चेयरमैन अविनाश पांडे अहि दौरान कहलनि जे 2015 कें चुनावक दौरान बिहारक जनता महागठबंधन कें भारी बहुमत देने छल। जखन किछू समय बाद नीतीश कुमार जनता कें चुनल सरकार कें त्याग क’ कोनो आर सं हाथ मिला लेलनि। बिहारक जनता हुनका अहि बेर माफ नहि करय वला अछि। एकर संगहि ओ केंद्र सरकारक कृषि कानून कें ल’ सेहो कहलनि आ सरकार कें तुगलकी करार देलथि।

अविनाश पांडे तेजस्वी यादव कें जमि क’ तारीफ केलनि। ओ कहलनि जे 2015 कें चुनाव मे बिहारक युवा जनता तेजस्वी यादव कें डिप्टी सीएम कें रूप मे काज करैत देखलनि। ओ बहुत निक काज केलनि। बिहार देशक सबसा युवा राज्य मे एक अछि। एना मे अतय कें जनताक लेल एकटा युवा नेतृत्व कें जरूरत अछि।

राष्ट्रीय जनता दल कें नेता तेजस्वी यादव, तेज प्रताप यादव, जगदानंद सिंह आ मनोज कुमार झा अहि दौरान मौजूद छलाह। कांग्रेस कें तरफ सं अविनाश पांडे, सीपीआई एमएल सं दीपंकर भट्टाचार्य आ विकासशील इंसान पार्टी कें मुकेश सहनी सहित तमाम नेता अहि अवसर पर उपस्थित छलाह। पटनाक मौर्या होटल में प्रेस कॉन्फ्रेंस आयोजित कयल गेल छल ।

एनडीए मे बातचीत जारी

सीट कें फॉर्मूला तय करबाक लेल बुधदिन राइत पटना पहुंचल बिहार भाजपा प्रभारी भूपेंद्र यादव आ चुनाव प्रभारी देवेंद्र फणडवीस शुक्रदिन दिल्ली लौट गेला। अहि दौरान हुनक बातचीत जदयू नेतृत्व सं नहि भेल । पटना मे ओ दुनू अपन दल कें नेता सं बातचीत करैत रहला। कोनो फॉर्मूला नहि निकलैत देखेला दुनू दिल्ली लौट गेला। ओना भाजपा आ जदयू दुनू तरफ सं ई दावा कयल जा रहल अछि जे एनडीए एकजुट अछि आ सीट बंटवाराक फॉर्मूले कें जल्द अंतिम रूप द’ देल जायत।

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु

Most Popular

PM Modi Rally: ‘बिहार में का बा’ पर पीएम मोदी देलनि जवाब, जानू की कहलथि

बिहारक चुनावी जंग मे नेहा राठौर कें गाना, 'बिहार में का बा...' बहुत चर्चा भ' रहल अछि। नेहा कें अहि गाना कें विपक्ष जतय नीतीश सरकारक खिलाफ हथियार बनओलनि त' ओतय जदयू आ भाजपाक ओर सं सेहो चुनावी गाना कें माध्यम सं एकर जवाब देबाक प्रयास कयल गेल।

चिराग पासवान जारी केलनि विजन डाक्यूमेंट, सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि

बिहार विधानसभा चुनाव कें लेल एलजेपी विजन डाक्यूमेट जारी केलक। लोजपा प्रेसिडेंट चिराग पासवान डाक्यूमेंट जारी करैत सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि।

बिहार चुनाव 2020: सीएम नीतीश कें चुनावी सभा मे युवक मंच पर फेंकलक पत्थर

बिहारक गया जिला मे सीएम नीतीश कुमार कें चुनावी सभा मे सोमदिन हड़कंप मैच गेल जखन मंच पर एकटा युवक पत्थर फेंक देलक। मुदा ककरो चोट नहि लागल।

बिहार चुनाव : प्रधानमंत्री कें सभा मे आतंकी-नक्सली कें खतराक ल’ अलर्ट जारी

बिहार विधानसभा चुनाव कें ल' 23 अक्टूबर कें प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बिहार मे तीनटा चुनावी सभा कें संबोधित करता। अहि दौरान ओ बिहार मे लगभग सवा सात घंटा रहता।