अहाँके बुझल अछि जे न्यूजीलैंड मे 34.87 लाख वोटर अछि, जतय एक महीना पहिने चुनाव भेल छल। आब अहाँ सोचैत हेब जे बिहार मे न्यूजीलैंड कें बात किएक? एना अहि लेल जाहिसँ अहाँ समेझ सकि जे बिहार मे जे चुनाव होबय जा रहल अछि, ओ कोरोना काल मे दुनिया कें सबसा बड़का चुनाव अछि।
बिहार मे कुल 7.29 करोड़ वोटर अछि। पहिल फेजक जाहि 71 सीट पर काइल वोटिंग होयत, ओतय 2.14 करोड़ सं बेसी वोटर अछि। मतलब न्यूजीलैंड सं 6 गुना ज्यादा। आब त’ अहाँ समेझ गेल हेब जे किएक बिहार चुनाव सबसा बड़का चुनाव अछि। अप्रैल मे दक्षिण कोरिया मे सेहो एकटा चुनाव भेल छल। ओतय सेहो कुल 4.39 करोड़ वोटर छलाह।