बिहार विधानसभा चुनाव मे निक प्रदर्शन करैत पांच सीट जीत कें बाद असदुद्दीन ओवैसी कें पार्टी एआईएमआईएम आब यूपी आ बंगाल मे सेहो चुनाव लड़बाक रणनीति पर काज क’ रहल अछि। एआईएमआईएम कहलक जे पार्टी आब उत्तर प्रदेश आ पश्चिम बंगाल मे सेहो अपन पैर पसारा मे लागल अछि। एमआईएमआईएम के अध्यक्ष असदुद्दीन ओवैसी कहलनि जे पार्टी उत्तरी राज्य कें सीमांचल क्षेत्र मे न्यायक लड़ाई लड़त।
भाजपाक विरोध करय वला पार्टि कें वोट बांटबाक आरोप पर प्रतिक्रिया दैत ओवैसी कहलनि जे ओ एकटा राजनीतिक पार्टी चला रहल छथि आ पार्टी कें चुनाव लड़बाक अधिकार अछि। हुनका सं जखन पूछल गेल जे की हुनकर पार्टी आर कोनो राज्य मे सेहो चुनाव लड़त त’ ओ कहलनि, हम पश्चिम बंगाल, उत्तर प्रदेश आ देश मे सब चुनाव लड़ब। हमरा की चुनाव लड़य लेल ककरो सं मंजूरी लेबाक जरूरत अछि।’