बिहार चुनावक बिगुल बैज चुकल अछि। बिहार मे तीन चरण मे चुनाव होयत. पहिल चरण केर वोटिंग 28 अक्टूबर, दोसर चरणक वोटिंग 3 नवंबर आ तेसर चरणक वोटिंग 7 नवंबर कें होयत। वोटक गिनती 10 नवंबर कें होयत। अहि तरहे अहि बेर बिहार चुनावक प्रक्रिया नवरात्र कें पहिने शुरू होयत आ दिवाली सं पहिने सरकार बनि जायत।
पहिल चरण : वोटिंग 28 अक्टूबर। 16 जिलाक 71 सीट पर वोटिंग
नोटिफिकेशन : 1 अक्टूबर
नामांकन केर अंतिम तारीख : 8 अक्टूबर
स्क्रूटनी- 9 अक्टूबर
नाम वापसी : 12 अक्टूबर धरी
दोसर चरण : वोटिंग 3 नवंबर । 17 जिलाक 94 विधानसभा सीट पर वोटिंग
नोटिफिकेशन: 9 अक्टूबर
नामांकन केर अंतिम तारीख: 16 अक्टूबर
स्क्रूटनी- 17 अक्टूबर
नाम वापसी : 19 अक्टूबर धरी
तेसर चरण : वोटिंग 7 नवंबर। 15 जिलाक 78 सीट पर वोटिंग
नोटिफिकेशन : 13 अक्टूबर
नामांकन केर अंतिम तारीख: 20 अक्टूबर
स्क्रूटनी – 21 अक्टूबर
नाम वापसी : 23 अक्टूबर धरी
चुनाव परिणाम 10 नवंबर
पांच सं बेसी लोक अहि बेर नहि क’ सकता प्रचार
कोरोना संकट कें चलते भीड़भाड़ इलाका मे भीड़ इकट्ठा नहि होय अहि लेल गाइड लाइन जारी कयल गेल अछि। मुख्य चुनाव आयुक्त सुनील अरोड़ा कहलनि जे कोरोनाक कारण सं एक बेर मे एक संग पांच सं बेसी लोक ककरो घर जा क’ प्रचार नहि क’ सकता। विधानसभा चुनाव मे उम्मीदवार समेत कुल पांच लोक डोर-टू-डोर कैंपेन मे हिस्सा लेता। ओ कहलनि जे पार्टि आ उम्मीदवार कें वर्चुअल चुनाव प्रचार करय परत। कोरोनाक कारण सं बड़का-बड़का जनसभा नहि कयल जा सकैत अछि। एकर अलावा नॉमिनेशन कें समय कोनो उम्मीदवार कें संग दू सं अधिक गाड़ि नहि जा सकैत अछि।
चुनाव मे सुरक्षा मानक कें रखल जायत ख्याल
कोरोना संक्रमण कें देखैत छ लाख पीपीई किट राज्य चुनाव आयोग कें देल जायत। एकर अलावा चुनावक दौरान 46 सं अधिक मास्क देल जायत । संगहि हैंड सैनिटाइजर कें इस्तेमाल कयल जायत। चुनाव आयोग बतओलनि जे जतय जरूरत होयत आ मांग कयल जायत ओतय पोस्टल बैलेट केर व्यवस्था कयल जायत । चुनाव प्रचार खालि वर्चुअल होयत आ नामांकन सेहो ऑनलाइन भरल जा सकैत अछि।