Monday, October 26, 2020
मुख्यपृष्ठ बिहार बिहार चुनाव : सीएम नीतीश कुमार आइ वर्चुअल रैली सं करता अपन...

बिहार चुनाव : सीएम नीतीश कुमार आइ वर्चुअल रैली सं करता अपन चुनाव अभियानक शुरुआत

बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सोमदिन सं अपन चुनाव अभियानक शुरुआत करता। ओ वर्चुअल माध्यम सं दू दिन मे 35 विधानसभा क्षेत्रक एनडीए कार्यकर्ता आ ओतय कें आम जनता कें संबोधित क' एनडीए प्रत्याशिक जीतक अपील करता।

बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सोमदिन सं अपन चुनाव अभियानक शुरुआत करता। ओ वर्चुअल माध्यम सं दू दिन मे 35 विधानसभा क्षेत्रक एनडीए कार्यकर्ता आ ओतय कें आम जनता कें संबोधित क’ एनडीए प्रत्याशिक जीतक अपील करता।

एनडीए गठबंधनक तहत जदयू, भाजपा, हम आ वीआईपी कें ओर सं ताल ठोक रहल प्रत्याशि कें जीत दिएबाक लेल प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कें कम सं कम 12 जनसभा होयत। हिनक साझा जनसभाक कार्यक्रम तैयार भ’ रहल अछि।

जदयू कें राष्ट्रीय महासचिव तथा जल संसाधन मंत्री संजय कुमार झा रैबदिन बतओलनि जे प्रधानमंत्री आ मुख्यमंत्री सब चरण मे कम सं कम चाइर-चाइर जनसभा करता। एकरा ल’ दुनू दल कार्यक्रम तैयार क’ रहल अछि। जल्दी कार्यक्रम तय भ’ जायत आ एकर घोषणा सेहो एनडीए द्वारा कयल जायत। 14 अक्टूबर सं नीतीश कुमार हेलीकॉप्टर सं जनसभा कें संबोधित करबाक लेल बिहारक विभिन्न क्षेत्र मे जेता। अखन ई तय होयत जे 14 के हुनक जनसभा कता होयत। ओना पार्टी सूत्रक मानी त’ जमुई-झाझा कें इलाका सं सीएम अपन जनसभा आरंभ करता।

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु

Most Popular

बिहार चुनाव: बिहारक 71 सीट कें लेल मतदान, कोना करी EVM आ VVPAT सं वोटिंग ?

बिहार विधानसभा चुनावक पहिल चरणक वोटिंग (First Phase Voting) 28 अक्टूबर कें होबय जा रहल अछि।

PM Modi Rally: ‘बिहार में का बा’ पर पीएम मोदी देलनि जवाब, जानू की कहलथि

बिहारक चुनावी जंग मे नेहा राठौर कें गाना, 'बिहार में का बा...' बहुत चर्चा भ' रहल अछि। नेहा कें अहि गाना कें विपक्ष जतय नीतीश सरकारक खिलाफ हथियार बनओलनि त' ओतय जदयू आ भाजपाक ओर सं सेहो चुनावी गाना कें माध्यम सं एकर जवाब देबाक प्रयास कयल गेल।

चिराग पासवान जारी केलनि विजन डाक्यूमेंट, सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि

बिहार विधानसभा चुनाव कें लेल एलजेपी विजन डाक्यूमेट जारी केलक। लोजपा प्रेसिडेंट चिराग पासवान डाक्यूमेंट जारी करैत सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि।

बिहार चुनाव 2020: सीएम नीतीश कें चुनावी सभा मे युवक मंच पर फेंकलक पत्थर

बिहारक गया जिला मे सीएम नीतीश कुमार कें चुनावी सभा मे सोमदिन हड़कंप मैच गेल जखन मंच पर एकटा युवक पत्थर फेंक देलक। मुदा ककरो चोट नहि लागल।