Monday, October 26, 2020
मुख्यपृष्ठ मिथिला प्रधानमंत्री मोदी आ राहुल गांधी संगहि बिहार मे करता चुनाव प्रचार अभियानक...

प्रधानमंत्री मोदी आ राहुल गांधी संगहि बिहार मे करता चुनाव प्रचार अभियानक आरम्भ

बिहार मे 23 अक्टूबर कें दुनू बड़का गठबंधनक शीर्ष नेता चुनावी प्रचारक आरम्भ करता। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी एनडीए उम्मीदवारक पक्ष मे चुनाव प्रचार कें लेल 23 कें बिहार आबि रहल छथि।

बिहार मे 23 अक्टूबर कें दुनू बड़का गठबंधनक शीर्ष नेता चुनावी प्रचारक आरम्भ करता। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी एनडीए उम्मीदवारक पक्ष मे चुनाव प्रचार कें लेल 23 कें बिहार आबि रहल छथि। ओहि दिन कांग्रेस कें पूर्व अध्यक्ष राहुल गांधी सेहो बिहार मे दू सभा करता। श्री गांधी चुनावी सभाक आरम्भ हिसुआ सं करता। ओहि दिन हुनक दूसर सभा भागलपुर कें कहलकेंगांव मे होयत।

पार्टी सं भेटल जानकारी कें अनुसार पार्टी कें पूर्व राष्ट्रीय अध्यक्ष राहुल गांधी हिसुआक सभा मे आसपास कें विधानसभा क्षेत्रक महागठबंधन उम्मीदवारक जिताबाक अपील करता। हिसुआ सं कांग्रेस कें नीतू सिंह आ वारिसलीगंज सं कांगेस कें जिलाध्यक्ष सतीश कुमार ऊर्फ मंटन सिंह चुनाव लड़ि रह छथि। एकर अलावा नवादा सं राजद केर विभा देवी आ गोविंदपुर सं मो. कामरान प्रत्याशी छथि। अहि सीट पर पहिल चरण मे चुनाव होयत ।

राहुल गांधी कें दूसर सभा भागलपुर कें कहलगांव मे होयत। कहलगांव सं कांग्रेस विधायक दल कें नेता सदानंद सिंह कें पुत्र शुभानंद मुकेश चुनाव मैदान मे छथि। राहुल गांधी कहलगांव सं भागलपुर कें कांग्रेस प्रत्याशी अजीत शर्मा, पीरपैंती सं राजद कें रामविलास पासवान आ नाथनगर सं राजद उम्मीदवार अली अशरफ सिद्दिकी कें लेल वोट करबाक अपील करता। भागलपुर, पीरपैंती आ नाथनगर मे चुनाव दूसर चरण मे अछि।

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु

Most Popular

बिहार चुनाव: बिहारक 71 सीट कें लेल मतदान, कोना करी EVM आ VVPAT सं वोटिंग ?

बिहार विधानसभा चुनावक पहिल चरणक वोटिंग (First Phase Voting) 28 अक्टूबर कें होबय जा रहल अछि।

PM Modi Rally: ‘बिहार में का बा’ पर पीएम मोदी देलनि जवाब, जानू की कहलथि

बिहारक चुनावी जंग मे नेहा राठौर कें गाना, 'बिहार में का बा...' बहुत चर्चा भ' रहल अछि। नेहा कें अहि गाना कें विपक्ष जतय नीतीश सरकारक खिलाफ हथियार बनओलनि त' ओतय जदयू आ भाजपाक ओर सं सेहो चुनावी गाना कें माध्यम सं एकर जवाब देबाक प्रयास कयल गेल।

चिराग पासवान जारी केलनि विजन डाक्यूमेंट, सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि

बिहार विधानसभा चुनाव कें लेल एलजेपी विजन डाक्यूमेट जारी केलक। लोजपा प्रेसिडेंट चिराग पासवान डाक्यूमेंट जारी करैत सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि।

बिहार चुनाव 2020: सीएम नीतीश कें चुनावी सभा मे युवक मंच पर फेंकलक पत्थर

बिहारक गया जिला मे सीएम नीतीश कुमार कें चुनावी सभा मे सोमदिन हड़कंप मैच गेल जखन मंच पर एकटा युवक पत्थर फेंक देलक। मुदा ककरो चोट नहि लागल।