बिहार चुनाव 2020: सीएम नीतीश कें चुनावी सभा मे युवक मंच पर फेंकलक पत्थर

बिहारक गया जिला मे सीएम नीतीश कुमार कें चुनावी सभा मे सोमदिन हड़कंप मैच गेल जखन मंच पर एकटा युवक पत्थर फेंक देलक। मुदा ककरो चोट नहि लागल।

0
189

बिहारक गया जिला मे सीएम नीतीश कुमार कें चुनावी सभा मे सोमदिन हड़कंप मैच गेल जखन मंच पर एकटा युवक पत्थर फेंक देलक। मुदा ककरो चोट नहि लागल।

प्राप्त जानकारी कें अनुसार अतरी विधानसभा क्षेत्रक जगदीश चंद्र उच्च विद्यालय कें मैदान मे सीएम केर सभा चल आयोजित कयल गेल छल। सीएम नीतीश जखन अपन भाषण समाप्त क’ मंच पर लागल कुर्सी पर बइसा गेला तखने जनसभा मे उपस्थित एकटा युवक स्टेजक ओर पत्थर फेंक देलक। अवसर पर उपस्थित सुरक्षाकर्मि युवक कें तुरंत पकैड़ लेलक। युवक सं पूछताछ केलक बाद कड़ा चेतावनी देल गेल।

अहिसँ पहिने मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राजद पर निशाना साधैत कहलनि जे पति-पत्नी कें राज मे अपहरण उद्योग चलैत छल। वर्ष 1990 सं 2015 धरी हुनक 15 सालक शासन मे नरसंहार, अपहरण आ गुंडागर्दी कें बोलबाला छल। वर्ष 2005 सं काज करबाक अवसर भेटल त’ हम कानूनक राज स्थापित केलाउ। अपराधक ग्राफ गिरल आ अपहरण उद्योग पूर्ण तरहे बंद भ’ गेल। इहे कारण अछि जे देश मे बिहार आब अपराधक मामला मे 23 वा स्थान पर पहुंच गेल अछि।

मुख्यमंत्री सोमदिन गया आ आरंगबाद जिलाक विभन्नि विधानसभा क्षेत्र मे चुनावी सभा कें संबोधित केलनि। ओ कहलनि जे राजद शासन मे अल्पसंख्यक कें खालि ठकल जा रहल छल। हमरा सब कें काज करबाक अवसर भेटल त’ भागलपुर दंगा कें पीड़ित कें न्याय देबाक काज केलाउ। मदरसा शक्षिक कें सरकारी स्कूलक शक्षिक कें तरहे सुविधा देल गेल। बेरोजगार युवक-युवति कें ट्रेनिंग तथा पूंजी उपलब्ध करा क’ हुनक रोजगारक इंतजाम कयल गेल ।

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलनि जे जनता फेर सेवा करबाक अवसर देता त’ राज्यक सभ गाम कें आब सौर उर्जा सं रौशन करब। छात्रक जिला स्तर पर निक तकनीकी ट्रेनिंग देल जायत, जाहिसँ हुनका निक सं निक रोजगार भेटय। सब खेतक सिंचाई कें लेल पानि उपलब्ध करायब। रोजगार कें नव-नव अवसर उपलब्ध करायब। स्वावलंबीआ सक्षम बिहारक लेल सात नश्चिय पार्ट 2 पर काज होयत।

अहाँ अपन विचार लिखु

Please enter your comment!
Please enter your name here