बिहार चुनाव : प्रधानमंत्री कें सभा मे आतंकी-नक्सली कें खतराक ल’ अलर्ट जारी

बिहार विधानसभा चुनाव कें ल' 23 अक्टूबर कें प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बिहार मे तीनटा चुनावी सभा कें संबोधित करता। अहि दौरान ओ बिहार मे लगभग सवा सात घंटा रहता।

0
167

बिहार विधानसभा चुनाव कें ल’ 23 अक्टूबर कें प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बिहार मे तीनटा चुनावी सभा कें संबोधित करता। अहि दौरान ओ बिहार मे लगभग सवा सात घंटा रहता। भागलपुर संगहि गया आ सासाराम मे सेहो ओ सभा कें संबोधित करता। अहि दौरान आतंकी संगठन आ नक्सलि सं हुनक सुरक्षाक खतरा कें देखैत पुलिस मुख्यालय सं आईजी (सुरक्षा) तीन जिलाक डीएम आ एसपी कें अलावा अन्य वरीय अधिकारि कें अलर्ट कयल गेल अछि।

प्रधानमंत्री कें सुरक्षा कें ल’ तैयारी शुरू भ’ गेल अछि। पुलिस मुख्यालय सं आईजी (सुरक्षा) संबंधित जिलाक अलर्ट करैत आतंकी संगठन आ नक्सलि सं पीएम कें सुरक्षाक खतरा बतबैत कड़ा नजर रखय लेल कहल गेल अछि।

तीन जगह पर 45-45 मिनट चुनावी सभा कें संबोधित करता प्रधानमंत्री
प्रधानमंत्री 23 अक्टूबर कें भोरे लगभग साढ़े नौ बजे गया पहुंचता। ओतय सं सासाराम कें लेल प्रस्थान करता। सासाराम मे लगभग साढ़े दस बजे सं हुनक संबोधन शुरू होयत जे 45 मिनट कें होयत। ओतय सं गया कें लेल प्रस्थान करता। गया मे दुपहर लगभग सवा बारह बजे सं एक बजे धरी ओ चुनावी सभा कें संबोधित करता। गया मे चुनावी सभा कें संबोधित केलक बाद ओ भागलपुर कें लेल प्रस्थान हेता। ओ दुपहर लगभग ढाई बजे भागलपुर हवाई अड्डा परिसर पहुंचता। दुपहर 2.40 सं 3.25 धरी ओ अतय चुनावी सभा कें संबोधित करता। अतय सं गया कें लेल प्रस्थान हेता आ गया सं साझ 4.55 बजे दिल्ली कें लेल निकलता।

कार्यक्रम स्थलआ हेलीपैड केर सुरक्षा कें आईपीएस तैनात
प्रधानमंत्री कें भागलपुर, सासाराम आ गया मे होबय वला चुनावी सभा मे हुनक हेलीपैड आ आसपास एडवांस सिक्योरिटी लायजनिंग (एएसएल) कें लेल तीन आईपीएस अधिकारि कें प्रतिनियुक्ति पुलिस मुख्यालय केने अछि। भागलपुर मे आईपीएस पंकज राज, गया मे आईपीएस संजय कुमार सिंहआ सासाराम मे आईपीएस आदित्य राज कें प्रतिनियुक्ति कयल गेल अछि।

सुरक्षा पूर्ण तरहे सं चाक-चौबंद रहत। रैबदिन सभास्थलक जायजा लेल गेल अछि। कार्यक्रम कें आयोजक सुरक्षा आ कोविड-19 कें ल’ गाइडलाइन कें पूर्ण तरहे सं पालन करबाक कहल गेल अछि। पुलिस पदाधिकारि कें कार्यभार देल गेल अछि।

अहाँ अपन विचार लिखु

Please enter your comment!
Please enter your name here