बिहार विधानसभा चुनाव कें ल’ एनडीए मे सीट कें बंटवारा भ’ गेल। बिहार मे जेडीयू 115, जीतन राम मांझी केर पार्टी हम 7, आ भाजपा बीजेपी 121 सीट पर चुनाव लड़त। मंगलदिन राजधानी पटना मे आयोजित प्रेस कॉन्फ्रेंस मे सीएम नीतीश एकर ऐलान केलनि।
बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मंगलदिन लोजपा प्रमुख चिराग पासवान कें नाम लेने बिना हमला बजलनि। सीएम नीतीश कहलनि जे आइ राम विलास पासवान राज्यसभा कें सदस्य बनल छथि, ओ ककर बदौलत बनल छथि। कि ओ अपन बदौलत बनि गेल छथि। हुनक पार्टी कें दूटा विधायक छनि। की 2 विधायक वला पार्टी राज्यसभा कें सांसद बनि सकैत अछि?
प्रेस कॉन्फ्रेंस सं किछू देर पहिने प्रदेश भाजपा अध्यक्ष संजय जायसवाल मीडिया कें संबोधित करैत कहला जे बिहार मे एनडीए कें नेता नीतीश कुमार छथि, बिहार कें गठबंधन मे पुरा बात नीतीश कुमार कें नेतृत्व मे भ’ रहल अछि, नीतीश कुमार जी कें नेतृत्व कें भाजपा पूर्ण तरहे स्वीकार करैत अछि। एनडीए गठबंधन मे ओहे रहता जकरा हुनक नेतृत्व स्वीकार छनि। हुनका मुख्यमंत्री बनेबाक लेल भाजपा पूरा प्रयास करत आ तीन चौथाई बहुमत सं नीतीश कुमार कें नेतृत्व मे हम बनायब सरकार।
अहिसँ पहिने सोमदिन भाजपा नेतृत्व लोजपाक राजग गठबंधन सं बाहर भेलाक बाद बिहार कें प्रमुख पार्टी नेता कें संग उम्मीदवार सं ल’ चुनाव प्रबंधन धरी कें मुद्दा पर व्यापक चर्चा भेल। बिहार विधानसभा चुनाव मे भाजपा पूर्ण तरह सं लोजपा सं दूरी बनाके राखत आ खुलि क’ राजग कें जितेबाक अपील करत। जदयू कें संग संबंध मे कोनो खटास नहि आबय, एकरा लेल राजग कें कमजोर करय वला दल पर सेहो निशाना साधाल जायत। जखन, भाजपा कें आशंका अछि जे अहि स्थिति मे गठबंधन कें ल’ भितरघात बढ़ि सकैत अछि।