Bihar Assembly Elections 2020: नीतीश कुमार लेलनि बड़का फैसला, दागी विधायक कें JDU नहि दैत टिकट

सत्ताधारी जदयू आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार निर्णय लेलनि जे हुनक दल को कोनो दागी विधायक कें अपन प्रत्यासी नहि बनाओत।

0
307

सत्ताधारी जदयू आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार निर्णय लेलनि जे हुनक दल को कोनो दागी विधायक कें अपन प्रत्यासी नहि बनाओत। पार्टी सूत्रक मुताबिक एहन नेता लग संदेश सेहो पहुंच गेल अछि।

रैबदिन राइत करीब आधा दर्जन पार्टी नेता प्रदेश अध्यक्ष बशिष्ठ नारायण सिंह सं भेट क’ अपन पक्ष सेहो रखलनि। अहिमे डुमराव कें जदयू विधायक ददन पहलवान आ गोपालगंज विधायक अमरेंद्र पांडेय प्रमुख छलाह। जानकारी कें मुताबिक जदयू डुमराव सं ददन कें स्थान पर पार्टी प्रवक्ता अंजुम आर कें मैदान मे उतारल जा रहल अछि।

रैबदिन राइत जदयू प्रदेश अध्यक्ष कें घर किछू वकील सेहो बजाओल गेल छल। पार्टी कें जाहि प्रत्याशि पर कोनो मामला दर्ज होयत हुनका जदयू स्क्रीनिंग कमेटी कें समक्ष शपथ पत्र देबय परत आ वकील एहन शपथ पत्र कें पड़ताल करत जाहिसं आयोग द्वारा कोनो पर्चा पर कोनो आपत्ति नहि आबय।

ओतय दोसर ओर एनडीए मे सीट कें बंटवारा कें औपचारिक ऐलान रैबदिन सेहो नहि भ’ सकल । बहुत दिनक तर्ज पर जदयू वा भाजपा मे सीट वा उम्मीदवार कें अंतिम रूप देबाक लेल मैराथन बैठक जारी रहल। पटना मे जतय जदयू अध्यक्ष सीएम नीतीश कुमार कें आवास पर पार्टी केर कोर कमेटि कें बैठक भेल त’ भाजपाक बैठक दिल्ली मे अध्यक्ष जेपी नड्डा कें आवास पर भेल, जाहिमे बिहार भाजपा कें नेता शामिल भेला। संभावना जताओल जा रहल अछि जे आब सोमदिन एनडीए कें ओर सं सीटक संगहि उम्मीदवारक नाम कें औपचारिक ऐलान कयल जायत।

अहाँ अपन विचार लिखु

एतय अहाँ अपन विचार दियौ!
दया कय एतय अहाँ अपन नाम लिखू