भारत निर्वाचन आयोग कहलक जे बिहार विधानसभा चुनावक तारीख कें ऐलान सही समय पर कयल जायत। आयोग बिहार चुनाव कें समय 65 सीट पर उपचुनाव सेहो करेबाक तैयारी अछि। चुनाव आयोगक अनुसार, बिहार विधानसभा चुनाव कें 29 नवंबर, 2020 सं पहिने पूरा करेबाक अछि। ओहि समय कें आसपास विभिन्न राज्य केर 64 विधानसभा आ एकटा लोकसभा सीट पर उपचुनाव कराओल जायत। कहि दी जे वर्तमान बिहार विधानसभा कें कार्यकाल 29 नवंबर कें समाप्त भ’ रहल अछि।

बिहार मे अहि साल अक्टूबर-नवंबर कें महीना में विधानसभा चुनाव होबय वला अछि। एकरा लेल राजनीतिक दल अपन तैयारी सेहो शुरू क’ देने अछि। आयोग कोरोना काल मे चुनाव आ उपचुनाव करेबाक लेल गाइडलाइंस जारी केने छल। तखने ई तय भ’ गेल छल जे कोरोना आ बाढ़ ग्रस्त बिहार मे तय समय पर चुनाव होयत। जखन विपक्षी दल समेत एनडीए मे शामिल एलजेपी बिहार मे चुनाव रद करेबाक मांग केने छला।

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु