Warning: getimagesize(): Peer certificate CN=`*.web-hosting.com' did not match expected CN=`www.mithila.live' in /home/mithucnd/public_html/wp-content/plugins/td-cloud-library/shortcodes/header/tdb_header_logo.php on line 792

Warning: getimagesize(): Failed to enable crypto in /home/mithucnd/public_html/wp-content/plugins/td-cloud-library/shortcodes/header/tdb_header_logo.php on line 792

Warning: getimagesize(https://www.mithila.live/wp-content/uploads/2020/05/IMG-20200502-WA0002-300x152.jpg): failed to open stream: operation failed in /home/mithucnd/public_html/wp-content/plugins/td-cloud-library/shortcodes/header/tdb_header_logo.php on line 792

Warning: getimagesize(): Peer certificate CN=`*.web-hosting.com' did not match expected CN=`www.mithila.live' in /home/mithucnd/public_html/wp-content/plugins/td-cloud-library/shortcodes/header/tdb_header_logo.php on line 792

Warning: getimagesize(): Failed to enable crypto in /home/mithucnd/public_html/wp-content/plugins/td-cloud-library/shortcodes/header/tdb_header_logo.php on line 792

Warning: getimagesize(https://www.mithila.live/wp-content/uploads/2020/05/IMG-20200502-WA0002-300x152.jpg): failed to open stream: operation failed in /home/mithucnd/public_html/wp-content/plugins/td-cloud-library/shortcodes/header/tdb_header_logo.php on line 792
Monday, October 26, 2020
मुख्यपृष्ठ मिथिला बिहार चुनाव 2020: पटना मे धारा 144 लागू, चुनाव प्रचार पर प्रतिबंध

बिहार चुनाव 2020: पटना मे धारा 144 लागू, चुनाव प्रचार पर प्रतिबंध

भारत निर्वाचन आयोग केर ओर सं बिहार विधानसभा चुनावक तिथिक घोषणा केलक संगहि आदर्श आचार संहिता लागू क' देल गेल अछि। जिला प्रशासन शहर मे लागल पोस्टर आ बैनर कें हटेबाक काज शुरू क' देल गेल अछि।

भारत निर्वाचन आयोग केर ओर सं बिहार विधानसभा चुनावक तिथिक घोषणा केलक संगहि आदर्श आचार संहिता लागू क’ देल गेल अछि। जिला प्रशासन शहर मे लागल पोस्टर आ बैनर कें हटेबाक काज शुरू क’ देल गेल अछि। शुक्रदिन डीएम कुमार रवि कें निर्देश पर इनकम टैक्स चौराहा, वीरचंद पटेल पथ, बेली रोड, गांधी मैदान, अशोक राजपथ, राजा बाजार इलाका मे लागल बैनर पोस्टर कें हटेबाक काज शुरू भ’ गेल। आब राजधानीक माहौल बदलय लागल अछि।

शहर मे सबसा बेसी बैनर-पोस्टर राजद द्वारा किसान बिलक विरोध मे लगाओल गेल छल जखन एनडीए कें बहुत नेता द्वारा सेहो मुख्य चौक चौराहा पर पोस्टर बैनर लगाओल गेल छल। संगहि बहुत प्राइवेट एजेंसी वा संस्थाक बैनर पोस्टर कें सेहो प्रशासन हटोलक। अधिकारि कें कहनाइ अछि जे आदर्श आचार संहिता लागू भेलाक बाद कोनो प्रकारक प्रचार सामग्री कें सार्वजनिक स्थल पर नहि लगाओल जायत। जखन कोनो प्राइवेट व्यक्ति कें मकानक दीवार पर सेहो एहन पोस्टर नहि लगाओल जा सकैत अछि। आदर्श आचार संहिता कें अनुपालन राजनीतिक पार्टी आ लोक कें अगला 10 नवंबर धरी करय परत।

बिहार विधानसभा चुनाव कें देखैत जिला निर्वाचन पदाधिकारी सह डीएम कुमार रवि शुक्रदिन पटना जिला मे धारा 144 लागू क’ देलनि। कोनो प्रकारक राजनीतिक जुलूस, सभा, धरना-प्रदर्शन सं पहिने प्रशासन सं अनुमति लेबय परत। एहन नहि करय पर प्रशासन कार्रवाई करत। ई आशय कें आदेश निर्गत क’ देल गेल अछि।

प्रशासनक ओर सं जारी आदेश मे कहल गेल अछि जे बगैर अनुमति कें लाउडस्पीकर कें प्रयोग नहि कयल जा सकैत अछि। प्रशासन लाउडस्पीकर कें राइत 10 बजे सं भोर 6 बजे धरी पूर्ण तरहे प्रतिबंधित क’ देल गेल अछि। कोनो व्यक्ति राजनीतिक दल संगठन कोनो प्रकार कें पोस्टर-पर्चा, आलेखक प्रकाशन नहि करत, जाहिसँ आदर्श आचार संहिताक उल्लंघन नै होय। एकर अलावा कोनो व्यक्ति, राजनीतिक दल, संगठन मतदाता कें डरेबाक-धमकेबाक आ कोनो प्रकारक प्रलोभन मे लेबाक कार्य नहि करत। ई कोनो धार्मिक स्थल कें उपयोग राजनीतिक प्रचार कें लेल नहि करत एवं सांप्रदायिक भावना कें भड़केबाक कार्य सेहो नहि करत।

एकटा जबाब दिय

कृपया अहाँ कमेंट करू
कृपया एतय अहाँ अपन नाम लिखु

Most Popular

PM Modi Rally: ‘बिहार में का बा’ पर पीएम मोदी देलनि जवाब, जानू की कहलथि

बिहारक चुनावी जंग मे नेहा राठौर कें गाना, 'बिहार में का बा...' बहुत चर्चा भ' रहल अछि। नेहा कें अहि गाना कें विपक्ष जतय नीतीश सरकारक खिलाफ हथियार बनओलनि त' ओतय जदयू आ भाजपाक ओर सं सेहो चुनावी गाना कें माध्यम सं एकर जवाब देबाक प्रयास कयल गेल।

चिराग पासवान जारी केलनि विजन डाक्यूमेंट, सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि

बिहार विधानसभा चुनाव कें लेल एलजेपी विजन डाक्यूमेट जारी केलक। लोजपा प्रेसिडेंट चिराग पासवान डाक्यूमेंट जारी करैत सीता कें भव्य मंदिर बनेबाक वादा केलनि।

बिहार चुनाव 2020: सीएम नीतीश कें चुनावी सभा मे युवक मंच पर फेंकलक पत्थर

बिहारक गया जिला मे सीएम नीतीश कुमार कें चुनावी सभा मे सोमदिन हड़कंप मैच गेल जखन मंच पर एकटा युवक पत्थर फेंक देलक। मुदा ककरो चोट नहि लागल।

बिहार चुनाव : प्रधानमंत्री कें सभा मे आतंकी-नक्सली कें खतराक ल’ अलर्ट जारी

बिहार विधानसभा चुनाव कें ल' 23 अक्टूबर कें प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बिहार मे तीनटा चुनावी सभा कें संबोधित करता। अहि दौरान ओ बिहार मे लगभग सवा सात घंटा रहता।