बिहार चुनाव मे अहि बेर रिजल्ट आबय मे भ’ सकैत अछि देरी, की अछि कारण?

बिहार विधानसभा चुनाव केंलेल भ' रहल मतदान आइ समाप्त भ' जायत। एकरा बाद सभहक नजैर 10 नवंबर पर अछि।

0
205

बिहार विधानसभा चुनाव केंलेल भ’ रहल मतदान आइ समाप्त भ’ जायत। एकरा बाद सभहक नजैर 10 नवंबर पर अछि। ओहि दिन ई पता चलत जे कि नीतीश कुमार एक बार फेर सं मुख्यमंत्री बनता आ लालू कें लाल बिहार पर राज करता। कोरोना प्रोटोकाल कें कारण अहि बेर विधानसभा सीटक परिणाम आबय मे देर भ’ सकैत अछि। चुनाव आयोग कें दिशा-निर्देक अनुसार मतगणना हॉल कें अंदर अधिकतम सात मतगणना टेबल लगेबाक अनुमति होयत। अहि प्रकार प्रत्येक विधानसभा क्षेत्रक लेल 3-4 हॉल कें जरूरत होयत।

आयोग कें अनुसार मतगणना टेबुल पर कंट्रोल यूनिट आ वीवीपैट कें केयरिंग केस कें लेबाक पूर्व सेनेटाइज कयल जायत। कंट्रोल यूनिट आ वीवीपैट कें डी सीलिंग आ चुनाव परिणामक प्रदर्शित करबाक लेल प्रत्येक टेबल पर एकटा कर्मी प्रतिनियुक्त होयत। चुनाव आयोग सं भेटल जानकारी कें अनुसार बिहार विधानसभा चुनावक परिणाम अहि बेर आबय मे कानि देरी होयत। कोरोना काल मे भ’ रहल चुनाव कें ल’ बूथक संख्या मे 45 फीसदी कें बढ़ोतरी कें कारण सभ’ बूथक वोटक गिनती मे कानि अधिक समय लागत। कही दी जे आयोग सभ’ स्ट्रांग रूम कें सख्त सुरक्षाक व्यवस्था केने अछि। आयोग कें दिशा-निर्देश कें अनुसार त्रिस्तरीय सुरक्षा व्यवस्था कयल गेल अछि। ओतय सीसीटीवी कैमरे लगाओल गेल अछि, कोनो भी उम्मीदवार आ दल कें प्रतिनिधि एकरा देख सकैत अछि। चुनाव परिणाम बड़का पर्दे पर प्रदर्शित कयल जायत आयोग निर्देश देने अछि जे बड़ पैमाने पर मतगणना (काउंटिंग) एजेंट कें जगह उपलब्ध कराबय में कठिनाई होय त’ एहन स्थिति मे कंट्रोल यूनिट कें माध्यम सं प्रदर्शित होबय वला चुनाव परिणाम कें बड़का पर्दे पर प्रदर्शित करेबाक व्यवस्था कयल जायत। जाहिसँ मतगणना एजेंट कें असुविधा नहि होय।

पोस्टल बैलेट कें लेल अलग सं होयत व्यव्यस्था
चुनाव आयोग पोस्टल बैलेट कें गिनती कें ल’ अतिरिक्त सहायक निर्वाची पदाधिकारी कें आवश्यकता जातोओने अछि। एकरा लेल निर्वाची पदाधिकारी/ सहायक निर्वाची पदाधिकारी कें देखरेख मे अलग हॉल कें व्यवस्था करेबाक स्वीकृति सेहो देने अछि ।

मतगणना केंद्रक सभ’ प्रवेश द्वार पर होयत सुरक्षाकर्मिक तैनाती
अपर मुख्य निर्वाचन पदाधिकारी संजय कुमार सिंह बतओलनि जे मतगणना केंद्र सभ’ जिल मे बनाओल गेल अछि। सभ’ केंद्रक सभ’ प्रवेश द्वार पर सुरक्षा बल कें तैनाती कयल जायत। एकरा लेल जिला निर्वाचन पदाधिकारी कें स्तर सं सभ’ जिला मे निर्देश जारी कयल गेल अछि।

अहाँ अपन विचार लिखु

Please enter your comment!
Please enter your name here