पहिल बेर चुनावी होर्डिंग्‍स मे एक संगे देखल गेल PM मोदी आ CM नीतीश, चिराग गायब

बैनर-पोस्टर विधानसभा चुनावक सरगर्मी बढ़ा देने अछि। रैबदिन राजधानी कें बहुत इलाक मे बड़का -बड़का होर्डिंग लगाओल गेल जाहिमे भाजपा-जदयू केर एकजुटता देखा रहल अछि।

0
281

बैनर-पोस्टर विधानसभा चुनावक सरगर्मी बढ़ा देने अछि। रैबदिन राजधानी कें बहुत इलाक मे बड़का -बड़का होर्डिंग लगाओल गेल जाहिमे भाजपा-जदयू केर एकजुटता देखा रहल अछि। ई पहिल अवसर अछि जखन अहि विधानसभा चुनाव कें ल’ तैयार कयल गेल कोनो पोस्टर मे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एक संगे देखल जा रहल अछि। महत्तपूर्ण बात ई अछि जे अहि पोस्टर सं लोजपा गायब अछि। एनडीए कें घटक दल लोजपा कें राष्‍ट्रीय अध्‍यक्ष चिराग पासवान आ लोजपा कें संस्‍थापक वा केंद्रीय मंत्री राम विलास पासवानक तस्‍वीर नहि अछि।

नबका नारा कें जिक्र

राजधानी मे नरेंद्र मोदी आ नीतीश कुमार केर तस्वीर वला जते होर्डिंग्स लगाओल गेल अछि, ओहिमे नबका नाराक जिक्र विशेष रूप सं अछि। पोस्टर कें नीचा वला हिस्सा मे लिखल अछि- ‘न्याय के साथ तरक्की, नीतीश की बात पक्की। ‘ ई नीतीश कुमार कें पेटेंट संबोधन पर आधारित अछि जाहिमे ओ अकसर कहैत छथि जे हम न्याय कें संगे विकास मे यकीन रखैत छी।

अहाँ अपन विचार लिखु

Please enter your comment!
Please enter your name here