बिहार चुनाव: पहिल चरणक वोटिंग, की टूटत 20 साल पुरान रिकॉर्ड?

बिहार चुनावक पहिल चरणक 71 विधानसभा सीट पर वोटिंग जारी अछि. कोरोना संकटक बीच बिहार मे भ' रहल चुनाव मे मतदाता कें बेसी सं बेसी बूथ धरी ल' जेनाइ आ वोटिंग प्रतिशन बढ़ेबाक चैलेंज अछि.

0
96

बिहार चुनावक पहिल चरणक 71 विधानसभा सीट पर वोटिंग जारी अछि. कोरोना संकटक बीच बिहार मे भ’ रहल चुनाव मे मतदाता कें बेसी सं बेसी बूथ धरी ल’ जेनाइ आ वोटिंग प्रतिशन बढ़ेबाक चैलेंज अछि. 2015 कें चुनाव मे 56.66 फीसदी मतदान भेल छल जखन बिहार मे सबसा बेसी मतदानक रिकॉर्ड साल 2000 कें चुनाव मे 62.57 फीसदी भेल छल. एना मे देखबाक अछि जे बिहारक मतदाता कें सामने 20 साल पुरान रिकार्ड कें तोरबाक चुनौती होयत.

कही दी जे बिहार मे अखन धरी भेल विधानसभाक 16 चुनाव मे खालि तीन बेर मतदानक प्रतिशत 60 कें आंकड़ा छूने अछि. एकर अलावा बाकी चुनाव मे वोटिंग परसेंटेज 60 फीसदीक नीचा रहल अछि. एना मे बिहार मे भेल विधानसभा चुनाव कें देखि त’ वोटिंग फीसदी मे ऊपर-निचा होयत नजैर आयल अछि, मुदा साल 2000 कें आंकड़ाक कखनो पार नहि क’ सकल अछि.

बिहार मे पहिल बेर 50 फीसदी वोटिंग

बिहार मे पहिल बेर 50 फीसदी वोटिंगक आंकड़ा 1967 कें चुनाव मे भेल. साल 1967 कें चुनाव मे 51.51 फीसदी लोक अपन मताधिकार कें इस्तेमाल केलनि. बिहारक इतिहास मे ई ओ चुनाव छल जखन पहिल बेर गैर-कांग्रेसी पार्टीक सरकार आयल छल. एकरा बाद सं 1985 धरी भेल पांच चुनाव मे वोटिंग प्रतिशत 50 फीसदी कें ऊपर रहल अछि. 1969 कें चुनाव मे 52.79, 1972 मे 52.79, 1977 मे 50.51, 1980 मे 57.28 आ 1985 मे 57.27 फीसदी लोक मतदान केने छलाह.

90 कें दशक मे 60 फीसदी मतदान रहल

बिहार मे 90 कें दशक मे भेल चुनाव मे वोटिंग प्रतिशत 60 फीसदी कें ऊपर रहल अछि. 1990 कें चुनाव मे 62.04 लोक अपन मताधिकार कें प्रयोग केने छलाह. ई ओ चुनाव छल जखन बिहार मे लालू यादव कें मुख्यमंत्री कें तौर पर ताजपोशी भेल छल. एकरा बाद 1995 मे 61.79 आ 2000 कें चुनाव मे 62.57 फीसदी वोटिंग भेल छल. बिहारक इतिहास मे ई तीन चुनाव एहन छल, जखन 60 फीसदी कें ऊपर वोटिंगक आंकड़ा रहल अछि.

अहाँ अपन विचार लिखु

Please enter your comment!
Please enter your name here