बिहार मे विकास कार्य कें लेल सब पंचायत कें औसतन 41 लाख रुपया मिलत

0
377

बिहार केर त्रिस्तरीय पंचायती राज संस्था कें वित्तीय वर्ष 2020-21 मे 15वा वित्त आयोग कें अनुदान कें तहत 5018 करोड़ रुपया मिलबाक अछि। अहिमे ग्राम पंचायत क’ 70 प्रतिशत हिस्सा अर्थात करीब 3500 करोड़ मिलत।  राज्य मे ग्राम पंचायतक संख्या 8386 अछि। अहि हिसाब सं उक्त मद मे राज्य कें हर पंचायत क’ औसतन 41 लाख रुपया अहि वित्तीय वर्ष मे मिलत। जखन पंचायत कें ई राशि हुनकर आबादी आ हुनकर क्षेत्रक आकार कें हिसाब सं तय होयत। अहि तरहे दू पंचायत क’ मिलय वला राशि मे अंतर सेहो होयत।

15वा वित्त आयोग कें तहत मिलय वला राशि केर बंटवारा अहि बेर त्रिस्तरीय पंचायती राज संस्था मे होयत। 70 प्रतिशत हिस्सा ग्राम पंचायत 20 प्रतिशत पंचायत समिति आ 10 प्रतिशत जिला परिषद क’ मिलत।  पंचायती राज विभाग क’ ई राशि दू किस्त मे मिलत। पंचायतीराज विभाग कें  केंद्र सरकार सं पहिल  किस्त जल्द मिलबाक उम्मीद अछि। ओतय अहि मद केर दूसर किस्तक राशि अक्टूबर-नवंबर मे मिलबाक उम्मीद अछि। केन्द्र सरकार सं राशि मिलबाक बाद विभाग कें स्तर सं ई राशि सीधा पंचायत कें खाता मे भेज देल जायत। पंचायत मे अहि राशि केर उपयोग विभिन्न विकास कें कार्य मे होयत।
संगे पेयजल मे सेहो एकर उपयोग भ’ सकत। 14वा वित्त आयोग कें तहत मिलय वला राशि केर पूरा हिस्सा ग्राम पंचायत क’ गेल छल। 15वा वित्त आयोग मे राशि केर बंटावारा होयत।